'मिथिला सँ एहि देशक पहिचान अछि'

विराटनगर (नेपाल). मिथिलाक संस्कृति जओं नहि रहत तऽ नेपालक पहिचान हेरा जायत. मिथिला सँ एहि देशक पहिचान अछि आ विद्यापति पूरा राष्ट्रकारी छथि. एहन कहब अछि गृहमंत्री आ उपप्रधानमंत्री विजय गच्छेदारक. ओ प्रमुख अतिथिक आसन सं बजैत विराटनगर मे विद्यापति स्मृति पर्वक अवसर पर कहलनि. मैथिली सेवा समितिक आयोजना मे विराटनगर मे (१३–१४) अर्थात 28–29 दिसम्बर 2012 कें विद्यापति स्मृति पर्व धूमधाम आ उल्लासक संग सम्पन्न भेल. 

मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष शंभू नाथ झाक अध्यक्षता तथा नेपालक गृह एवं उपप्रधानमंत्री विजय गच्छेदारक प्रमुख आतिथ्य मे पडोसी देश भारतक विभिन्न प्रान्तक व्यक्ति लोकनि उपस्थित छलाह. फारबिसगंजक सांसद सुखदेव पासवान, अररियाक विधायक तथा पटनाक मैथिली आकादमीक व्यक्ति लोकनि सब मिथिला राज्य दुनू देश मे आवश्यक बतौलनि. एहि समारोह मे मिथिलाक कला-संस्कृति सँ संबंधित प्रदर्शनी सेहो लगाओल गेल छल. प्रसिद्ध मिथिला चित्रकार एस.सी. सुमन द्वारा एकल मिथिला चित्रकला प्रदर्शनी लागल छल. मैथिली साहित्यक पोथी सभ सेहो छल.
कार्यक्रमक शुरुआत दीप जरा क' प्रमुख अतिथि उद्घाटन केलनि आ मिथिलाक प्रसिद्ध गायक वीरेन्द्र झा, संजय यादव आ अनु चौधरी विद्यापति रचित गोसाउनी गीत सँ शुभारंभ केलनि. अहि अवसर पर मैथिली सेवा समिति तथा दहेज मुक्त मिथिला दिस सं किछु विशिष्ट व्यक्तिक सम्मान सेहो कएल गेल. दहेज मुक्त मिथिला दिस सँ बिना दहेजक बियाह केनिहार दूटा मैथिल वर मिहिर झा आ चन्दन झा कें सम्मान-पत्र आ उपहार देल गेलनि. उद्घाटन सत्र मे पटनाक देवेन्द्र झा, राँचीक सियराम 'सरस' आ राजविराज सँ अमरकान्त झा, करुणा झा आदि लोकनि अपन-अपन मन्तव्य व्यक्त केने रहथि. सम्पूर्ण कार्यक्रमक संचालन मैथिली सेवा समितिक महासचिव प्रवीण नारायण चौधरी केलनि.  (Report/Photo: करुणा झा )
Previous Post Next Post