मिविप मनाओत मैथिली अधिकार दिवस

कलकत्ता. प्रत्येक साल जकां एहू साल रविदिन 23 दिसंबर कें मिथिला विकास परिषद् मैथिली अधिकार दिवस मनाओत. एहि मादें जनतब देइत कार्यक्रम संयोजक अंजय चौधरी कहलनि जे 22-23 दिसंबर 2003 कें सदन मे चर्चा केर उपरांत मैथिली कें संविधानक अष्टम अनुसूचीमे स्थान भेटल छल. ताहि परिप्रेक्ष्य मे मिथिला विकास परिषद, कोलकाता द्वारा दिनांक 23 दिसंबर 2012 कें सांझ 5 बजे तारासुन्दरी पार्क मे अधिकार दिवस मनाओल जायत. एहि अवसर पर काव्य-गोष्ठी ओ परिचर्चा आयोजित अछि. ओ जनओलनि जे स्थानीय सांसद सुदीप बंद्योपाध्याय ओ विधायक स्मिता बक्शी सहित मैथिल बुद्धिजीवी लोकनि भाग लेताह. ज्ञात हो जे बंगाली रहितहुं सुदीप बंद्योपाध्याय मैथिली हेतु सदन मे आवाज उठौने छलाह. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post