कुंज बिहारी मंच पर सक्रिय

> दुर्घटनाक बाद पहिल बेर क्यौटी मे कार्यक्रम
दड़िभंगा. मैथिलीक सुप्रसिद्ध गायक कुंज बिहारी स्वास्थ्यलाभ क' मंच पर फेर सक्रिय भेलाह अछि. मैथिली संगीत प्रेमी लेल ई बहुत हर्खक विषय अछि. 5 दिसंबर 2012 कें क्यौटी मे एक कार्यक्रम मे मंच पर देखि दर्शकक हर्खक ठेकान ने रहल. सूत्र सं भेटल जनतबक अनुसार ओ आब पूर्ण रूपें स्वस्थ छथि. अखिल भारतीय मिथिला पार्टी केर महासचिव रत्नेश्वर झा मिथिमीडिया कें जनओलनि जे हमर सभक प्रिय गायक आब पूर्ण स्वस्थ छथि से मिथिला लेल आह्लादक बात अछि. एहि सं पहिने कुंज बिहारी स्वयं मिथिमीडिया कें बतौने छलाह जे ओ शीघ्र मंच पर सक्रिय होयताह. ज्ञात हो जे किछु मास पूर्व भीषण सड़क दुर्घटना मे कुंज बिहारी गंभीर रूपें घायल भ' गेल छलाह आ' पटनामे हुनकर कान्हक ऑपरेशन भेल छल. ओही दुर्घटना मे कएक गोट संगीत कर्मी मारल गेल छलाह.  (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)  
[maithili, mithila, maithil,  vidyapati, sahitya,  maithili news, samad,  maithili media, newspaper]

Previous Post Next Post