भ्रमर कें विद्यापति पुरस्कार

काठमांडू. विद्यापति स्मृति दिवस पर नेपाल सरकार द्वारा गठित विद्यापति पुरस्कार कोष केर अंतर्गत पुरस्कारक घोषणा कयलक. प्रसिद्ध मैथिली साहित्यकार राम भरोस कापड़ि 'भ्रमर' कें विद्यापति मैथिली भाषा साहित्यकार पुरस्कार देल जयबाक घोषणा भेल अछि. भ्रमर कें सरकार दिस सं दू लाख टाका पुरस्कार स्वरूप देल जायत.
एकर संगहि चारि गोट आओर पुरस्कारक घोषणा भेल अछि, जाहि मे मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार मैथिलीक नाटककार महेंद्र मलंगिया, मैथिली अनुसंधान पुरस्कार डॉ योगेन्द्र प्रसाद यादव, मैथिली अनुवाद पुरस्कार पंडित सूर्यकांत झा आ मैथिली पाण्डुलिपि पुरस्कार राम नारायण सुधाकर कें देबाक निर्णय भेल अछि. हिनका सभ कें एक-एक लाख टाका केर पुरस्कार देल जायत. (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

Advertisement

Advertisement