धोलक मोनक मैल 'छुतहा घैल'

नव दिल्ली. मलंगिया नाट्य महोत्सवक आइ दोसर दिनक नाटक 'छुतहा घैल' केर मंचन सफलतापूर्वक संपन्न भेल. स्त्री विमर्श पर आधारित एहि नाटकक माध्यमें ई जनाओल गेल अछि जे समाज मे स्त्रीक अहम भूमिका रहितो ओ मात्र भोगक वस्तु बनल अछि. नाटकक मुख्य पात्र मे मिथिलाक लोककथा मे अतुल्य बुद्धिक बखारी कहबै बला गोनू झा कें राखि हुनक बुद्धिमताक प्रमाण देइत महेन्द्र मलंगिया ई साबित केलनि अछि जे स्त्री अपन अधिकार लेबा सं सेहो वंचित छथि, तैं गोनू झा हुनका सोझ बाट सं भुतला क' ओहि बाट पर ल' गेलनि जत' स्त्रीक अपन वास्तविक अधिकारक आभास भेलनि आ संगहि ई मूल मंत्र सेहो देलथिन जे नारी अपन मर्यादाक निर्वाह करैत अड़ब, लड़ब आ मरब सन बाट पर जं चलय त' ओकरो स्वतंत्र श्वास लेबाक अधिकार छैक. अभिनेता लोकनिक बीचक सटीक वार्तालाप एहि बात कें प्रमाणित करैत छल जे कलाकार लोकनि कतेक समर्पित भ' पूर्वाभ्यास केने छलाह आ संजय चौधरीक निर्देशन कतेक प्रभावी छल. उक्त विषय पर आधारित एहि नाटकक मंचीय प्रस्तुति करैत जे कार्य मिथिलांगन केलक अछि ताहि लेल समस्त मिथिलांगनक रंगकर्मी लोकनि सराहना, प्रशंसा आ बधाइ केर पात्र छथि. प्रेक्षागृह अंत धरि खचाखच भरल रहल. नाटकक एक-एक दृश्य, एक-एक समाद ततेक रोचक छल जे उपस्थित दर्शक लोकनि कें बेर-बेर थोपड़ी बजब' लेल बाध्य करैत छल. नाटकक बीच -बीच मे नट (भास्कर झा) आ नटी (कल्पना मिश्रा) द्वारा हास्य, व्यंग्य आ करुण वाद-संवाद नाटकक रोचकता मे आओर बेसी तालमेल बनौलक. नाटक बहुत नीक लिखल छल जाहि मे किछु आधुनिक तकनीकक समावेश यथा-मोबाइल, लैपटॉप आदिक प्रयोग सेहो नाटकक मौलिक उपकरण प्रतीत होइत छल. एहि नाटक कें सफल बनेबा मे अपन अभूतपूर्व योगदान देलनि अछि मैथिली मंच आ फिल्मक जानल-मानल वरिष्ठ अभिनेता शुभ नारायण झा, भास्कर झा, कल्पना मिश्रा, राजेश कर्ण, मुकेश दत्त, आशुतोष प्रतिहस्त, अनिल दास, विजय कर्ण, सुबोध साहा, रोहित झा, सायरा अली, संजीव बिट्टू, गोविन्द राय, पूजा श्री, अंजली झा, केशव झा, मास्टर अनुज कर्ण, भव्य दास, चैतन्य मल्लिक, आयुष, मृत्युंजय, अखिल विनय आदि. पार्श्व संगीत-सुन्दरम आ स्वर-सुन्दरम एवं रूपम मिश्रक छलनि.
पंचदिवसीय मलंगिया नाट्य महोत्सवक तेसर दिन माने 28 दिसंबर 2012 केर सांझ 6:30 बजे सं श्रीराम सेंटर, मण्डी हाउस, नव दिल्ली मे संस्था मिथिला नाट्यकला परिषद, जनकपुर द्वारा रमेश रंजन केर निर्देशन मे महेंद्र मलंगिया लिखित नाटक 'ओकरा अंगनाक बारहमासा ' केर मंचन कयल जायत आ एहि अवसर पर विशिष्ट अतिथिक रूप मे नेपालक वर्तमान राष्ट्रपति महामहिम डॉ. राम वरण यादव सेहो उपस्थित रहताह (Report/Photo: मनीष झा 'बौआभाइ')
Previous Post Next Post