'मुखियाजी' केर स्टाइल मे दबंग चुलबुल पाण्डे !

दड़िभंगा. मैथिली सिनेमा भनहि डिबिया ल' अपन अस्तित्व तकैत हो. मैथिल कलाकार भनहि फिल्म आ भूमिका लेल झखैत हो. मुदा मैथिल प्रतिभा एक बेर फेर अपन डंकाक स्वर सुना रहल अछि. ठीक एक साल पहिने मैथिली फिल्म 'मुखियाजी' आयल छल. नूतन तकनीक आ युवा निर्देशकक संगहि सीमित बजट केर ई मैथिली फिल्म दर्शक कें चौंका देने छल. मैथिली मे जतय एतेक अपडेट फिल्म बनयबाक सोचलो ने जाइत छल, विकास झा फिल्म बना लोकक सोझा आयल छलाह. कलेक्शन जे रहल हो मुदा फिल्म मुखियाजी नीक चर्चा बटोरने छल. संगहि मैथिली सिनेमा लेल नव आशा जागल छल.
मैथिली फिल्म मुखियाजी एखन फेर चर्चा मे अछि. असल मे सलमान खान केर फिल्म 'दबंग-2' केर पोस्टर पर सलमान केर स्टाइल मुखियाजी सं मैच क' रहल अछि. कतेको लोक एकरा नक़ल बतबैत छथि. जतय मैथिली सिनेमा सं बॉलीवुड केर सिनेमा मे नक़ल करबाक बात सपनो मे नहि सोचल जा सकैत अछि, ओतहि एकहि समान पोस्टर देखि आश्चर्य होयब स्वभाविक अछि. एहि विषय मे जखन मैथिली फिल्म 'मुखियाजी' केर निर्देशक विकास झा सं पूछल गेल त' ओ पहिने अपन हंसी रोकि नहि सकलाह फेर कहलनि जे हमरा सभ एक साल पहिने मुखियाजी कें एहिना प्रचारित केने छलहुं. दबंग 2 केर पोस्टर मुखियाजी सं मिलइए, त' एकरा नक़ल कहब उचित नहि, तखन ई संयोग अछि. मुदा एहि सं एतेक साबित होइछ जे मैथिली सिनेमा ककरो सं पाछू नहि अछि. निरंतर फिल्म निर्माण होइत रहल आ नव सोचक संग बढ़ल गेल त' मैथिल दोसर सं पहिने सोचइए आ जओ किछु करब शुरू कयल जाय त' दू डेग आगू भेल जा सकैत अछि. खैर जे हो मुदा मैथिली फिल्म दर्शक आ मैथिली समर्थक लेल ई अति आह्लादक विषय अछि.  
(Report: मिथिमीडिया सिने ब्यूरो)  
[maithili, mithila, maithil,  vidyapati, sahitya,  maithili news, samad,  maithili media, newspaper]
Previous Post Next Post