सगर राति संगीतमय रहल दड़िभंगा

> मिथिला विभूति पर्व संपन्न 
दड़िभंगा.
विद्यापति सेवा संस्थान केर तत्वावधान मे आयोजित मिथिला विभूति पर्व समारोह बुधदिन 28 नवम्बर 2012 कें गीत-संगीतक संग संपन्न भेल. पर्वक तेसर दिन सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित छल जे सागर राति चलल.
विद्यापति चौक स्थित विद्यापतिक मूर्ति पर माल्यार्पणक संग शुरू भेल कार्यक्रम मे बालेश्वर राम चौधरीक शहनाइ वादन (मंगल ध्वनि) वातावरण कें आन्दमय क' देने छल. ममता ठाकुर केर मंगलाचरण ओ सुषमा झा केर स्वागत गान मिथिला केर कथित राजधानी कें मैथिली संस्कार सं ओतप्रोत क' देलक.
कार्यक्रमक उद्घाटन नेपाल सरकार केर वन मंत्री यदुवंश झा कयलनि. एहि अवसर पर संस्थानक स्मारिका 'अर्पण' केर लोकार्पण सेहो भेल. यदुवंश झा विद्यापति कें दुनू पार मिथिला (भारत-नेपाल) केर प्रेरणा स्तम्भ बतौलनि. कार्यक्रमक अध्यक्षता हरि सहनी कयलनि. मुख्य अतिथिक रूपे उपस्थित लनमिवि केर कुलपति समरेन्द्र प्रताप सिंह मैथिलीक प्रति संकीर्ण सोचक परित्याग करबाक बेगरता पर जोर देलनि. ओ कहलनि जे विद्यापति सँ मैथिल कें सिखबाक चाही. संस्कृतक विद्वान रहितहुँ मैथिलीमे रचना केलनि आ' समाजक सभ वर्गमे प्रसिद्धि पौलनि आ जनकवि कहेलाह. मात्र कार्यक्रम-गोष्ठीक आयोजनसँ किछु नहि होयत. जन-जागरण लेल इहो सभ हेबाक चाही किंतु जाबत घरे-घर एकटा अभियान नहि चलाओल जाएत ताबत मैथिलीक उत्थान संभव नहि. ओ उच्च शिक्षामे मैथिलीक छात्रक संख्या मे आएल गिरावट पर चिंता जतौलनि.
एही अवसर पर संस्थानक महासचिव बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' कहलनि  जे मिथिला राज्यक बिना मिथिलाक सर्वांगीण विकास संभव नहि अछि. ओ मिथिलाक्षरक प्रयोग, मैथिलीमे बैनर-पोस्टर आ' सरकारी पत्राचार पर जोर देलनि. एहि अवसर पर कमलाकांत झा, संजय सरावगी, डॉ.मोहन मिश्र, राम कुमार झा व अन्यान्य लोकनि उपस्थित छलाह.ओमप्रकाश, कन्हैया जी आ' अरविन्द कुमार झाक समवेत स्वरमे विद्यापति संगीत गायन सँ रंगारंग कार्यक्रमक शुरुआत भेल जे सागर राति  चलल. सुरेश पंकज, राम बाबू झा, रंजना झा, पूनम मिश्र, दुखी राम, नंदजी, वंदना, सुमित मल्लिक, राम कुमार मल्लिक ओ अन्य कलाकार सभ दर्शकक भरपूर मनोरंजन कयलनि. राम सेवक ठाकुर ओ अद्भुतानंद झा केर हास्य वक्तव्य लोक कें खूब हंसौलक. नलिनी चौधरी केर नृत्य लोक कें विभोर क' देलक. विद्यापति गीतक बहुलता एहिबेर कार्यक्रमक विशेषता रहल. एकर संगहि कार्यक्रम मे कुंजबिहारी मिश्र (स्वस्थ्यलाभ क' रहल) आ' साजन राम (दिवंगत)क कमी लोक कें खटकैत रहल.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post