विद्यापति डीह पर जुटान, शुरू भेल समारोह

बिस्फी (मधुबनी). बिस्फी डीह पर तीन दिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह शनिदिन 24 नवम्बर 2012 कें शुरू भेल. आगत लोकनिक स्वागत शिव शंकर कयलनि ओ कविता कुमारी द्वारा गोसाओनिक गीत सं कार्यक्रम शुरू भेल. मिथिला केर राजनेता लोकनि एहि अवसर पर उपस्थित छलाह. ई  कार्यक्रम कार्तिक धवल त्रयोदशी सोमदिन 26 नवम्बर धरि चलत. एहि अवसर पर विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दिकी सहित विधायक डा. फैयाज अहमद, पूर्व विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल, विधायक ललित यादव , पूर्व विधायक रामाशीष यादव, सीताराम यादव, जिला भाकपाक जिला मंत्री हेमचंद्र झा, प्रेमचंद्र झा, शिवशंकर यादव, शालीग्राम यादव आदि संबोधित कयलनि. मंचक संचालन चंदेश्वर प्रसाद कयलनि. वक्ता लोकनि विद्यापति कें जनकवि बतबैत राजनीति नहि क' विकास पर बल देबाक बात कहलनि. एहि कार्यक्रम मे जेना सभ जाति-धर्मक नेता लोकनि उपस्थित छलाह. एतय राजनीति नहि हो से स्वीकारल नहि जा सकैत अछि मुदा  एतेक त' स्पष्ट बुझना जा रहल अछि जे मिथिला आ मैथिली कें मिथिलाक सभ जाति आ धरमक लोक आत्मसात कयने अछि. एकजुटता देखबा मे आयल. मिथिला आ मैथिलीक दिन घुरत से राजनेता लोकनिक उत्साह ओ वक्तव्य सं लगैत अछि. बिहार सरकारक प्रति मिथिलाक राजनेता लोकनिक क्षोभ सेहो सोझा आयल. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post