मायानगरी मे मिथिला महोत्सव

बम्बइ. मिथिला फाउन्डेशन द्वारा बम्बइ केर बिरला मातोश्री सभागार मे रविदिन ४ नवम्बर २०१२ कों मिथिला महोत्सवक सफलतापूर्वक आयोजन कयल गेल. एहि अवसर पर प्रतिभावान छात्र लोकनि केर सम्मान कयल गेल संगहि भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो भेल. कार्यक्रम में मुख्य अतिथि राजनेता संजय झा छलाह. विशिष्ट अतिथिक रूप मे उपस्थित छलाह यू. एस. झा, संतोष कुमार झा, विजय झा, ज्ञानेश्वर दुबे, एससी मिश्र एवं जेएन झा। संस्था दिस सं किछु सम्माननीय अतिथिक स्वागत कयल गेल जाहि मे  भोगेन्द्र झा, देवलोचन चौधरी, महेश झा, धीरज झा, प्रोफ. रत्ना झा, मोहन मिश्र, डॉ वशिष्ट मिश्र, पत्रकार राजेश मिश्र,  युके सिंह, डीडी त्रिपाठी,  फूल सिंह. सम्मानित होमयवला छात्र मे  आशा झा, केशव शैलेन्द्र झा, अनुराधा कृष्ण कुमार झा, विजय कुमर ललन झा, आशीष मिश्र छलाह.  ई सभ माध्यमिक मे 90% सँ बेसी अंक आनयवला विद्यार्थी छथि. सभ सं बेसी 92.38% अंक मैथिल ललना आशा झा छथि.सांस्कृतिक कार्यक्रम मे ज्ञानेश्वर दुबे अपन चर्चित गीत 'टनाटन घंटी बाजे' सँ  लोकक मोन मोहलनि आ सुरेश आनंद अपन रंगबिरंगा अंदाज सँ  श्रोता कें झुमा देलनि. श्रुति झा, राघव कुमार, संजीव झा केर प्रस्तुति बहुत नीक रहल. कार्यक्रमक  आरम्भ मंगलाचरण सँ भेल जे पं धर्मानंद झा केर नेतृत्व मे पं गौरीकांत झा, पं प्रेमकांत मिश्र, पं प्रमोद कुमार झा, पं बसंत झा द्वारा प्रस्तुत कयल गेल. संचालन पंकज झा कयलनि. एहि सत्र मे गोसाओनिक गीत, भगवती गीत, नचारी आ भजन गाओल गेल. दोसर सत्र मे अतिथि स्वागत आ तेसर सत्र मे भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल.
(Report : मिथिमीडिया ब्यूरो )
Previous Post Next Post