राजविराज मे पंचदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व

राजविराज (नेपाल). कविपति विद्यापतिक स्मृति पर्वक आयोजन नेपालक राजविराज मे भ' रहल अछि. मैथिली साहित्य परिषद् आ सहयोगी संस्था दिस सं पंचदिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व 2069 आयोजित कयल गेल अछि. 24 नवम्बर 2012 सं शुरू भेल ई पर्व पांच दिन चलत. पहिल दिन कॉलेज छात्र सभ मैथिली, मिथिला आ संस्था सबहक भूमिका पर अपन विचार रखलनि. परिषद्क सदस्य करुणा झा जनओलनि जे 23 छात्र अपन विचार रखलनि. आइ अर्थात 25 नवम्बर कें साहित्यिक गोष्ठी आयोजित अछि. एकर  बाद 26 कें विद्यापति पर आधारित झांकी बनाओल जायत आ नगर भ्रमण कयल जायत. चारिम दिन 27 कें पुरस्कार ओ सम्मान समारोह आयोजित कयल गेल अछि।  पाचम दिन अर्थात 28 नवम्बर 2012 कें मैथिली लोक नृत्य प्रतियोगिता केर आयोजन कयल गेल अछि.   
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post