मैथिलानी द्वारा अनुपम कलश यात्रा केर आयोजन

> विद्यापति-महादेव केर सम्बन्ध आ श्रद्धाक मिलन 
कलकत्ता. विद्यापति कें स्मरण मे मैथिलानी द्वारा कलश यात्रा अपन आप मे एक उदहारण प्रस्तुत करैत अछि. मिथिला मे विद्यापति आ उगना महादेवक प्रत्रि लोक मे कतेक श्रद्धा छैक से उजागर होइत अछि प्रवासी मैथिलानीक कलश यात्रा मे. सभ साल महानगरक गिरीश पार्क सं बड़ाबाजारक बीच सं
मैथिलानीक विशाल जुलूस निकलैत अछि आ बाबा भूतनाथ मंदिर धरि जाइत अछि.  जुलूस मे विद्यापति-उगना सम्बन्ध मे प्रचलित कथाक अनुसार झाकी सेहो बनाओल रहैत अछि. एहि दिन मैथिली गीत संगीत सं गुंजायमान रहैत अछि मध्य कोलकाता. मिथिला विकास परिषद् केर राष्ट्रिय अध्यक्ष अशोक झा जनओलनि  जे मिथिला महिला महिला मंचक आयोजनक ई नवम वर्ष अछि. २ दिसम्बर २०१२ प्रातः ९ बजे सं गिरीश पार्क मे अवस्थित विद्यापति केर प्रतिमा लग सँ गँगाँजल सं भरल कलश लय माय-बहिन द्वारा शैल झा केर नेतृत्व मे यात्रा होयत जे हुगली तट पर अवस्थित भूतनाथ मंदिर धरि जायत. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post