राजविराज मे 5 दिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व सम्पन्न

राजविराज (नेपाल). 5 दिवसीय विद्यापति स्मृति पर्व समारोह 26 नवम्बर कें भव्यतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि. मैथिली साहित्य परिषद् आ आबद्ध भगिनी संस्था सबहक सभक आयोजना मे 5 दिवसीय कार्यक्रमक अन्तर्गत पहिल दिनक कार्यक्रम मैथिल महिला परिषद द्वारा 'विद्यापति गीत प्रतियोगिता' कएल गेल. जाहि मे विभिन्न स्कूलक छात्रा आ महिला लोकनिक सहभागिता रहल छल. 

दोसर दिन मैथिल युवा परिषद द्वारा मा.वि. स्तरीय वक्तृत्व कला प्रतियोगिता केर आयोजन भेल, जाहि मे विभिन्न काँलेज सँ लगभग 25 गोटे छात्र-छात्रा सबहक सहभागिता छल, 'वर्तमान नेपाल मे मैथिली भाषा' विषय पर, छात्र-छात्रा सब अपन-अपन वितार व्यक्त केने रहथि. विद्यानन्द यादव छात्र दिस प्रथम आ छात्रा दिस निक्की दास प्रथम, तहिना द्वितीय मे कृष्ण देव मण्डल, लक्ष्मी यादव तृतीय मे खुशबू झा आ राहुल भेल.
मैथिल युवा परिषदक अध्यक्ष किशोर कुमार यादव के.सी. केर अध्यक्षता आ नेपाल सद्भावना पार्टी केर नेता मनीष सुमन कें प्रमुख आतिथ्य मे कार्यक्रम सम्पन्न भेल, एकर संचालन सचिव ध्रुव मण्डल द्वारा कएल गेल. तहिना तेसर दिनक कार्यक्रम मे मैथिली कवि परिषद द्वारा 'साहित्यिक गोष्ठी' केर आयोजन कएल गेल छल जाहिमे ३० गोटे महिला तथा पुरुष लोकनि अपन-अपन रचना सुनौने छलथि. रचनाकार लोकनि मे – राहुल झा, लक्ष्मी यादव, पंकज झा, करुणा झा, विमला देव, वन्दना मिश्र, निराजन, विद्यानन्द यादव, विवेकानन्द मिश्र, किरण झा, चन्दन यादव, श्यामसुन्दर यादव, ध्रुव मण्डल, श्याम कुमार मण्डल, कृष्ण देव मण्डल, कमला भंसाली, शुभचन्द्र झा, सत्येन्द्रनाथ चौधरी, किशोर कुमार यादव, सब रचना बाचन केने रहथि.
चारिम दिन कार्तिक धवल त्रयोदशी (26 नवम्बर) कें मूल कार्यक्रम विद्यापतिक झाँकी, सम्मान कार्यक्रम भेल. स्थानीय पब्लिक विन्देश्वरी माध्यमिक विद्यालय सँ विद्यापतिक झाँकी निकलि शहरक मुख्य बाजार सँ परिक्रमा क' मैथिली साहित्य परिषद्क भवन 'मैथिली भवन' मे जा सम्पन्न भेल. आ मैथिली भवन मे विद्यापतिक प्रतिमा पर फूल माला अबीर सँ श्रद्धाञ्जलि देल गेल. 

मैथिली साहित्य परिषद्क अध्यक्ष विवेकानन्द मिश्रक अध्यक्षता तथा सभासद रामप्रित पासवान केर प्रमुख आतिथ्य मे सम्पन्न अहि कार्यक्रम मे दू गोटे कें शिवदत्त मिश्र स्मृति पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल. सभासद (सांसद) शिवचन्द्र मिश्र जीद्वारा अपन पिता केर स्मृति मे गत बर्ष सँ ३ पुरस्कार मैथिली क्षेत्र मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार व्यक्ति कें देल जाइत अछि. डेढ लाख (१,५०,०००) केर राशि अहि पुरस्कार कोष केर स्थापना भेल अछि. पाँच हजार एक सय रु. एक गोटे कें अहि पुरस्कार प्रमाणपत्र आ दोशाला ओढा क' देल जाइत अछि. अहि बर्षक ई पुरस्कार बयोबृद्ध इतिहासकार प्रा. हरिकान्त लाल दास जी –जे कि मैथिली भाषा मे बहुत रास पोथी लिखने छथि) कें देल गेल आ दोसर विद्या मिश्रा जी कें (जे संगीत आ नृत्य क्षेत्र सँ जुडल छथि मैथिली गीतक एलबम सब निकालने छथि) कें प्रदान कएल गेल. तहिना मैथिली साहित्य परिषद सहयोग केनिहार किछु विशिष्ट व्यक्तित्व लोकनि कें प्रशंसा पत्र सेहो देल गेल जेना मीना ठाकुर, करुणा झा, यादव सेवा समिति, ओम शान्ति कें देल गेल. अहि कार्यक्रम मे मुख्य वक्ता लोकनि अमरकान्त झा, देवेन्द्र मिश्र, विष्णु कुमार मण्डल, सुधा देव, किशोर कुमार यादव, थान सिंह भंसाली, मीना ठाकुर, सत्तीश दत्त, शुभचन्द्र झा, विनय कर्ण, वन्दना मिश्र, लोकनि रहथि आ कार्यक्रम केर संचालन करुणा झा केलनि. पाँचम दिन रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम सँ समापन भेल. राजदेवी कला केन्द्र द्वारा मैथिली लोक गीत, नृत्य केर प्रस्तुति सँ लोक मन्त्रमुग्ध भ गेलाह. (Report/Photo: करुणा झा)
Previous Post Next Post