गंगासागर पोखरि व्यवस्थित कहिया होयत?

जनकपुर. टुगर पूर्णिमाक अवसर पर जनकपुरक गंगा सागर पोखरि मे हजारो व्यक्ति तर्पण कएलनि. गंगा सागर मे पानिक अभाव आ गन्दा भेलाक कारण लोक केँ बहुत समस्या भेल. कतेको व्यक्ति पोखरि मे जहिना तहिना कऽ तर्पण कएलनि आ बाद मे कsल पर स्नान कएलनि. भारत सरकारक सहयोग मे बृहत्तर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषद गंगा सागर आ धनुष सागर सौन्दर्यीकरणक की काज शुरु कएलक ओ पोखरि पहिले सँ आओर अव्यवस्थित भऽ गेल अछि. ओ दुनू पोखरि मे चारि महिना सँ काज रुकल अछि. मुदा किए रुकल अछि परिषद किछु कहए केँ स्थिति मे नहि अछि. बृहत्तरक कारण जनकपुरक एतिहासिक पोखरि समाप्त भऽ रहल अछि. एहि पर गम्भीरता देखाएब आवश्यक अछि. अर्थात नगरवासी केँ हस्तक्षेप करय पड़त. विवाह पञ्चमी जल्दिए होबएबला अछि. पावनिमे हजारो व्यक्ति जनकपुर अबैत अछि. गंगा सागर मे स्नान कऽ जानकी मन्दिर मे दर्शन करैत अछि. एहन पानिमे लोक स्नान करत? छठि एहने पानि मे लोक करत? परिषद केँ ई सोचवाक लेल फुर्सत नहि अछि तऽ की एहि ठामक लोककेँ सेहो नहि? एहि पर सभकेँ ध्यान देबए पड़त. सौन्दर्यीकरणक काज शीघ्र होइक. एखन पोखरि मे पानि नहि जमा हएत तऽ भरि साल सुखले रहत.
(Report: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post