शीघ्रहि गुंजत कुंजक स्वर

> दुर्घटनाक बाद धीरेन्द्र प्रेमर्षि सं पहिल बातचीत
> 'हेल्लो मिथिला' माध्यमे शुभचिंतक कें धन्यवाद 
कलकत्ता.  आइ करीब सोलह दिनक बाद हेल्लो मिथिलाक माध्यमे कुंजबिहारीक दुर्घटनाक बादक पहिल बातचीत मैथिल केँ सुनबा लेल भेटल. रेडियो कान्तिपुर द्वारा हरेक शनिकेँ प्रसारित होमयबला कार्यक्रमक प्रस्तोता एवं मैथिलीक चिर परिचित व्यक्तित्व धीरेन्द्र प्रेमर्षिक संगे गपक क्रममे कुंजबिहारी जनौलनि जे ई घटना चालकक लापरवाही सँ भेल. बेर-बेरक मनाहीक बादो गाड़ी चालक दहिना लेन पकड़ने गाड़ी चलबैत रहल आ' मधुबनी जिलाक अड़रिया संग्राम ल'ग जखन पाछाँ सँ अबैत एकटा दोसर गाड़ी ओकरा ओवर टेक केलकै तऽ गाड़ी चालक गाड़ी पर अपन नियंत्रण नहि राखि सकल आ' गाड़ी डिवाइडरकेँ तोड़ैत दोसर दिस तड़पि गेल एवं एकटा स्थानीय साइकिल सवारकेँ ठोकर मारैत दुर्घटना ग्रस्त भऽ गेल. फेर आस-पासक ग्रामीण सभक मदति सँ हुनका सभकेँ झंझारपूरक अस्पतालमे पहुँचायल गेलनि. बैन्जोवादक राजू जी एवं साइकिल सवारक तत्काल घटना स्थले पर मृत्यु भऽ गेल छल. फेर वैद्यनाथ चौधरी हुनका सभकेँ दरभंगा लए जेबाक व्यबस्था करौलनि. दरभंगा पहुँचिते प्रसिद्ध नाल वादक आ' पछिला बाइस बरख सँ कुंजबिहारी टीमक एकटा खाम्ह साजन रामक सेहो मृत्यु भए गेल छल. गायिका अर्चना सिन्हा कोमामे चलि गेल छलीह आ' हुनका इलाजक हेतु पटना भेजल गेल मुदा बादमे हुनको निधन भए गेल. कुण्जबिहारी अपने एवं बाँकि कलाकार सभ आब खतरा सँ बाहर छथि. ओ' बातचीतक क्रममे कहलनि जे ई समस्त मिथिला बासीक शुभकामना आ' आशीर्वादक परिणाम छी जे ओ एहन भीषण दुर्घटनामे बचि गेलाह. ओ जनौलनि जे डॉक्टरक कहब अछि जे हुनका पूर्णतया स्वस्थ हेबामे एखन करीब दू मास आओर लगतनि. एहि दुर्घटना सँ हुनक गायिकी पर कोनो असर नहि पड़त जेकि मिथिला बासी आ' कलाप्रेमीक लेल अत्यंत हरखित करए बला खबरि अछि. कुंजबिहारी अपनो कहलनि जे हुनका पूर्ण विश्वास छनि  जे एकबेर फेर ओ अपन गायिकीकेँ माध्यमें मैथिलीकेँ सेवा लेल मंच पर आबि सकताह संगहि ओ इहो कहलनि जे जावत शरीरमे प्राण रहतनि ताबत ओ मैथिलीक सेवा मे लागल रहताह आ गीत गबैत रहताह. तखन शारीरिक एवं ताहू सँ बेसी मानसिक रूपेँ स्वस्थ हेबामे किछु समए लागि सकैत छनि. साजन जीक विछोहक चर्चाक्रममे कहलनि जे हुनका बुझना जा रहल छनि जेना हुनक एकभागक फेँफड़ा निकालि लेल गेल हो.
समस्त शुभचिंतकक प्रतियेँ धन्यवाद ज्ञापन करैत ओ' समस्त मिथिलावासी सँ अपील कएलनि जे सभ दिवंगत कलाकारकेँ आश्रित लोकनिकेँ यथासाध्य मदति करथि. ओ कहलनि जे कलाकार समाजक संपति होइत अछि आ' तैँ कलाकारक विपत्ति  सेहो समाजक विपत्ति बूझल जेबाक चाही. यदि लोक एहि विपत्तिक घड़ीमे एहि कलाकार सभक लचरल आश्रित सभक मदति नहि करत  तऽ भविष्यमें लोक अपन धीया-पूताकेँ कलाकार बनबाक लेल कोना प्रेरित होयत ? ओ जनौलनि जे साजन जीक जेठ बालक केँ कतहु रोजगार दिएबाक प्रयास कएल जाए जाहिसँ हुनक परिवार चलि सकनि ओ' हुनक छोट बालकक पढ़ाइ-लिखाइ भऽ सकनि. संगहि राजूजीक बाल-बच्चा एखन बहुत छोट-छोट छनि तैँ हुनका सबहक जीविकाक लेल सेहो सामाजिक सहयोग आवश्यक अछि. गायिका अर्चना सिन्हाक परिवारक आर्थिक हालत सेहो ठीक नहि छनि. ओ एकटा कमौआ पूत छलीह आ' आब हुनका विना हुनकर वृद्ध माय-बाबूक जीवन असोकर्यमे छनि. हुनक मदति करब समाजक परम कर्त्तव्य बनैत अछि. एहिठाम मिथिमिडिया सेहो अपन समस्त पाठकवर्ग सँ अपील करैत अछि जे यथाशक्ति एहि प्रभावित परिवार सभक मदति करथि.

जखने साजन छोड़ि गेलाह, मचलै सगरो अनघोल
तबला कानल, नाल कनैए कानि रहल अछि ढोल
बाझल कंठ गबैया सबहक फूटि रहल नहि बोल
माटि मिथिला केर ताकि रहल अछि पुनि मोती अनमोल

....साजन भाइ सहित सभ दिवंगत साजिंदा आ' कलाकारकेँ समर्पित ।
प्रस्तुति: चन्दन कुमार झा 
Previous Post Next Post