मिथिला मे महामहिम केर भव्य स्वागत

> लना मिथिला विश्वविद्यालय केर दीक्षांत समारोह
> मुख्यमंत्रियो कयलनि मिथिलाक गुणगान
दड़िभंगा. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर दीक्षांत समारोह मे बुधदिन ३ अक्टूबर २०१२ कें राष्ट्रपतिक आगमन नव प्राण केर संचार कयलक. राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी केर आगमन पर विश्वविद्यालय छात्र सहित समूचा मिथिला केर लोक बेस उत्साहित छल. दीक्षांत समारोह मे राष्ट्रपतिक आगमनक बाद विद्वत शोभायात्रा निकालल गेल. जकर नेतृत्व कुलसचिव डॉ. विजय प्रसाद सिंह कयलनि. राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी एही जुलूसक संग मंच पर पहुंचलाह.  दीक्षांत केर औपचारिकताक शुरूआत कुलसचिव कयलनि. राष्ट्रपतिक अयबा सं पहिने मंच पर वरिष्ठ कांग्रेस नेता डा. मदन मोहन झा, पूर्व विधान पार्षद डा. दिलीप कुमार चौधरी, विधान पार्षद डा. विनोद कुमार चौधरी बेस सक्रिय छलाह. मंच संचालन डा. इंदिरा झा व प्रो. पुतुल सिंह क' रहल छलीह. कार्यक्रमक सफलताक लेल विवि केर सभ पदाधिकारी सक्रिय देखल गेलाह.
 
मिथिला विश्व कें देखओने अछि बाट: राष्ट्रपति 
राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी अपन संबोधन मे कहलनि जे मिथिला विश्व केर अनेको सुधार ओ संस्कृति निर्माण लेल प्रेरणा बनल अछि. ओ मिथिलाक कला संस्कृति व शिक्षा क्षेत्र मे योगदानक चर्चा करैत वर्त्तमान शिक्षा पद्धति ओ संभावना पर इजोत  देलनि.
 
मैथिलीक टॉपर मनोज कुमार साह सहित अन्य कें गोल्ड मेडल
समयाभाव केर कारण राष्ट्रपति मात्र ६ गोट छात्र कें मेडल द' सकलाह. जिनका सभ कें महामहिम गोल्ड मेडल देलनि से लनामिवि केर मैथिलीक टॉपर मनोज कुमार साह कें डा.नागेंद्र झा मेमोरियल गोल्ड मेडल, वाणिज्य व व्यवसाय प्रशासन विभागक एमबीए टॉपर मौसमी प्रिया कें जगदीश सिंह मेमोरियल गोल्ड मेडल, संगीतक टॉपर साहित्य मल्लिक कें प्रो.उमाकांत मेमोरियल गोल्ड मेडल, रसायनक टॉपर प्रियंका कुमारी कें डा.नीलाम्बर चौधरी मेमोरियल गोल्ड मेडल देल गेल. राजनीति विज्ञानक टॉपर स्वाति कुमारी कें डा.इंद्रदेव शर्मा मेमोरियल गोल्ड मेडल देल गेल तथा एमएड केर टॉपर श्वेता सोनाली कें राधाकांत झा मेमोरियल गोल्ड मेडल भेटल. राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी केर उपस्थिति मे प्रतिकुलपति डा. ध्रुव कुमार  नरेंद्र नाथ झा, राम विलास यादव व राम नारायण शर्मा कें डीलिट उपाधि प्रदान कयलनि. समय अभाव केर कारणे जाहि टापर लोकनि कें राष्ट्रपति हाथे मेडल नहि प्राप्त भेलनि ओ लोकनि कनेक उदास छलाह. राष्ट्रपतिक चल गेलाक बाद  विभिन्न संकाय केर सफल छात्र-छात्रा कें डिग्री प्रदान कयल गेल.
 
शिक्षा मे अग्रणी रहल अछि मिथिला: राज्यपाल 
राज्यपाल सह कुलाधिपति देवानंद कुंअर कहलनि जे मिथिला केर इतिहास, एतुका संस्कृति अत्यंत प्राचीन ओ समृद्ध रहल अछि. ई क्षेत्र ज्ञान, शिक्षाक क्षेत्र मे अग्रणी रहल अछि आ लनामिवि एही परम्परा केर प्रतिनिधित्व करैत अछि.
 
मुख्यमंत्री कयलनि बखान  
लनामिवि केर पंडित नागेंद्र झा स्टेडियम परिसर मे आयोजित चारिम दीक्षांत समारोह कें संबोधित करैत मुख्यमंत्री नितीश कुमार कहलनि जे राष्ट्रपति पटना केर बाद सोझे मिथिला अयलाह अछि. ओ कहलनि जे मिथिला आ बंगाल केर संस्कृति समान अछि. ई विद्यापतिक धरती अछि जाहि पर बंगालो गुमान करैत अछि. महामहिम बंगाल कें छथि त' दड़िभंगा  'द्वार बंग' केर रूप मे जानल जाइत अछि. राष्ट्रपतिक दड़िभंगा अयने मिथिला आ बंगाल मे सांस्कृतिक एकरूपता केर ई कड़ी बेसी मजगूत भेल अछि.
एहि कार्यक्रम मे  उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, जिला प्रभारी मंत्री सह राज्य केर लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण मंत्री चंद्रमोहन राय आ शिक्षामंत्री पीके शाही मंच पर उपस्थित छलाह. एकर संगहि दर्शक दीर्घा मे पूर्व केंद्रीय मंत्री सह राजद नेता अली अशरफ फातमी, नगर विधायक संजय सरावगी, विधायक विजय कुमार मिश्र, विधायक गोपालजी ठाकुर, विधायक इजहार अहमद, जिप अध्यक्ष हरि सहनी, विधायक अशोक यादव, विधान पार्षद मिश्रीलाल यादव, मेयर गौरी पासवान आदि उपस्थित छलाह.
 
कम नहि भेल हंगामा!
एक दिस जतय ई पूरा कार्यक्रम शिष्ट ओ व्यवस्थित भ' रहल छल ओतहि परिस्थिति एहन भेल जे पुलिस लाठियो भजैत अपस्यात भेल छल. राष्ट्रपतिक एक झलक देखबाक लेल लोक आतुर छल त' पुलिस प्रशासन सुरक्षा केर नाम पर लोक कें रोकलक आ फेर भेल दौग-धूप, चलल लाठी, कूदल ढेप.
(Report: विशेष प्रतिनिधि, मिथिमीडिया)
Previous Post Next Post