विश्वकोष केर खगता पर इजोत

दड़िभंगा/कलकत्ता. मिथिला हेतु मैथिली भाषा मे एक मानक विश्वकोष तैयार करबाक उद्देश्य सं शुक्रदिन, २६ अक्टूबर २०१२ कें बैसार भेल. संबोधन मे आइआइटी मद्रास केर प्रोफेसर डॉ. श्रीश चौधरी कहलनि विश्वकोष सं मिथिलाक पहिचान वैश्विक स्तर पर वर्तमान पीढ़ी कें सुलभ भ' सकत. एहि लेल सुनियोजित ढंग सं प्रयास कयल जाय. डॉ.भीमनाथ झा कहलनि जे विश्वकोष असीमित अछि मुदा मिथिला-मैथिलीक संदर्भ एकर प्रमुख अंग कें निर्धारित क' कार्य केने आसान होयत. डॉ.अशोक कुमार मेहता केर संचालन मे भेल बैसार केर अध्यक्षता वयोवृद्ध मैथिलसेवी किशोरी कांत मिश्र यलनि. एहि बैसार मे  डॉ.विभूति आनंद, डॉ.फूलचंद्र मिश्र 'रमण', राजनाथ मिश्र, शैलेंद्र आनंद, ज्योत्सना चंद्रम, फूलचंद्र झा 'प्रवीण', राजकुमार पासवान सेहो  अपन वक्तव्य रखलनि.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post