भटकल मीडिया-खटकल डेग

कोलकाता केर एक अंगरेजी अखबार मे छपल आलेख मे 'बिहारी' कें गरिआओल गेल अछि. ओना व्यंग्य सं शुरू भेल ई आलेख बिहारी समाज कें बेइज्जति क' ध' देने अछि. एहि खबरिक बाद सं कलकतिया बिहारी कें तामस चरम पर छल. जतय-ततय अखबारक प्रति जराओल. ई आलेख घोर गंजन भेल खुशवंत सिंह केर छनि, कहल जा रहल अछि, मुदा कोनो दोसर व्यक्ति द्वारा उपलब्ध कराओल गेल अछि. खैर जे हो अखबार पूर्ण रूपें दोषी अछि एहि तरहक सामग्रीक प्रकाशनक लेल. भारतक सांस्कृतिक राजधानी सं प्रकाशित होमयबला एहि अखबारक जतेक निंदा कयल जाय कम अछि. कलकतिया बिहारी अगुआ लोकनि शनिदिन सक्रियता देखबैत अखबारक प्रति डाहलनि. आ एकरा हिंदी अखबार बेस महत्वक संग छपलक अछि. ओम्हर कोलकाता मे दुर्गापूजा कें ल' अखबार सबहक कार्यालय आ प्रकाशन ४ दिन हेतु बन्न छैक. ओना अगुआ लोकनि पूजा केर बाद जोरगर विरोध केर धमकी देलनि अछि. एहि समूचा मामिला मे मिथिला विकास परिषद् केर सक्रियता सेहो बहुत बेसी देखल गेल अछि. मिविप केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा एकरा नारी केर अपमान रूप मे देखैत व्यापक विरोध केर बात करैत छथि. हुनका अनुसार समाचार पत्र पूर्ण दोषी अछि आ लोक मे गलत सन्देश पहुँचेबाक प्रयास कयल गेल अछि.
(मिथिमीडिया डेस्क)
Previous Post Next Post