'ओरिजनल काम' केर होयत मंचन

> मैलोरंग केर तैयारी पूर्ण
नव दिल्ली. मैथिली नाटकक अग्रणी संस्था मैलोरंग केर कलाकार अथक प्रयास सं नाटकक तैयारी पूर्ण क' लेलनि अछि. मैथिली-भोजपुरी अकादमी केर संयोजन मे आयोजित कार्यक्रम मे शनिदिन १३ अक्टूबर २०१२ कें नाटकक मंचन होयत. प्रसिद्ध नाटककार महेंद्र मलंगिया लिखित नाटक 'ओरिनल काम' केर मंचन आगामी शनिदिन सांझ ६ बजे सं नव दिल्ली केर सुरताल ग्राउंड, तालकटोरा स्टेडियम मे होयत. हास्य-व्यंग्य सं परिपूर्ण ई नाटक प्रकाश झा केर निर्देशन मे मंचित होयत. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post