कवि गोष्ठी सम्पन्न

जनकपुर. मैथिल ब्राह्मण समाजक आयोजन मे शनिदिन २२ सितम्बर २०१२ कें कवि गोष्ठी सम्पन्न भेल अछि. जनकपुरक क्याम्पस चौक स्थित समाजक सभा कक्ष मे भेल गोष्ठी मे पूनम झा, देवेश्वर लाल मुन्ना, चन्द्र कान्त झा, विजय मस्त, हसमुखी कर्ण, जय शंकर नाथ झा, कोमल कर्ण, रूपकला कर्ण कविता वाचन कयल. उक्त जनतब समाजक केन्द्रीय अध्यक्ष पवन कुमार झा देलनि. समाजक केन्द्रीय सदस्य पं. जय कृष्ण मिश्रक प्रमुख आतिथ्य मे भेल कवि गोष्ठीक संचलान विजय मस्त कएलनि. मैथिल ब्राह्मण समाज प्रत्येक महिनाक पहिल शनिदिन मासिक कवि गोष्ठीक आयोजन करैत आबि रहल अछि. (Report: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post