नाट्यगृह निर्माणक प्रतिबद्धता

> 'मिनाप सांस्कृतिक धरोहर'
जनकपुर. जनकपुरक राम चौक पर मिथिला नाट्य कला परिषद् (मिनाप) केर नाट्यगृह  केर निर्माण कार्य चलि रहल अछि. मिनाप केर प्रांगण मे भेल एक बैसार मे राजनीति दलक प्रतिनिधि लोकनि प्रतिबद्धता व्यक्त कयलनि. ओ लोकनि कहलनि जे मिनाप जनकपुर केर सांस्कृतिक धरोहर अछि, एकरा संरक्षण लेल सभ कें तैयार रहय पडत. राजनीतिक दलक प्रतिनिधि सभ छोट मोट विरोध सँ नाटक घरक निर्माण नहि रोकबाक मिनापक सदस्य सभ कें सलाह देलनि. मिथिला नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिकक सभापतित्व मे भेल बैसार (सोमदिन, 3 सितम्बर)  मे नेकपा एमालेक वरिष्ठ नेता शीतल झा, तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी धनुषाक सहसंयोजक परमेश्वर साह, सद्भावना पार्टी धनुषाक उपाध्यक्ष डा. रामचन्द्र चौधरी, नेकपा माओवादीक वरिष्ठ नेता रोशन जनकपुरी, राष्ट्रीय जनशक्ति पार्टी धनुषाक अध्यक्ष वीरेन्द्र लाल कर्ण, नेपाली काँग्रेस जनकपुर नगर समितिक सभापति धीरेन्द्र मोहन झा, राष्ट्रीय प्रजातन्त्र पार्टीक उपाध्यक्ष देवनन्दन गोइत, नेकपा माले समाजवादीक कौशलेन्द्र मिश्र, राष्ट्रिय मधेश समाजवादी पार्टीक सुमनकान्त ठाकुर, जनकपुर नगरपालिकाक पूर्व उपमेयर किशोरी साह, मिनापक सलाहकार प्रमोद चौधरी, रामानन्द युवा क्लवक नवीन कुमार मिश्र, मिथिला डटकमक सम्पादक सुजीत कुमार झा, पत्रकार कैलास दास, कान्तिपुरक समाचारदाता श्याम सुन्दर शशि, वानक केन्द्रीय उपाध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण, युवा नेपालक अध्यक्ष सरोज कुमार मिश्र, गणेश युवा कमिटीक पूर्व अध्यक्ष सुरेन्द्र कुमार भण्डारी सहित अन्यान्य लोकनि अपन विचार व्यक्त कयलनि. 
(Report/Photo: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post