विद्यापति स्मारक मे लागल घण्टा घड़ी

जनकपुर. जनकपुरक विद्यापति चौक स्थित विद्यापति स्मारक पर घण्टा घडीक विधिवत रूप सं सोमदिन (१७ सितम्बर २०१२) कें स्थापना भेल अछि. जनकपुर नगरपालिका–४ केर हेमचन्द्र चौधरी आ इन्दिरा देवी द्वारा सहयोग कएल गेल एहि घण्टाघडी कें एक समाराहक बीच सद्भावना पार्टीक केन्द्रीय सदस्य लालकिशोर साह, हेमचन्द्र चौधरी आ इन्दिरा देवी चौधरी संयुक्त रुप मे उद्घाटन कएलनि. केन्द्रिय सदस्य साहक संयोजकत्व आ चौधरी सचिव रहल समय मे विद्यापति स्मारकक  निर्माण कएल गेल छल. विद्यापति स्मारक निर्माण मे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार स्वर्गीय पण्डित सुन्दर झा शास्त्रीक सेहो महत्वपूर्ण योगदान रहल छल.
नेपालमे एहि प्रकारक घडी कोनो स्थान पर नहि लागल प्राविधिक सभ बतौलनि अछि. ई घडी प्रत्येक घण्टाक समय आवाज द्वारा लोक सभ कें अवगत करबैत अछि. लगभग ८ लाख खर्च लागल ई घडी कें लगबय मे हेमचन्द्र चौधरीक पुत्र राजेश चौधरी (राजु) केर महत्वपूर्ण भूमिका रहल विद्यापती स्मारक समितिक संयोजक चन्द्रमोहन चौधरी जानकारी देलनि अछि.
२०५३ साल मे निमार्ण भेल स्मारक पर घडी लगएबाक लेल बहुतो बेर प्रयास कएल गेल. मुदा उचित सहयोग प्राप्त नहि भेलाक कारण घडी लागि नहि सकल छल. समारोह मे स्थानीय बुद्धिजीवी, नागरीक सामाज, व्यवसायी, पत्रकार, युवा क्लब केर  प्रतिनिधीसभक सहभागिता छल. घण्टीक आवाज सुनए लेल विद्यापति चौक पर दिनभरि भीड लागल छल.
 (Report/Photo: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post