'साजन आहां बिना...'

 
मधुबनी. आगामी 8 सितंबर 2012 कें मिथिला टॉकिज, मधुबनी मे आगामी मैथिली फ़िल्म 'साजन आहां बिना' केर ऑडियो सीडीक लोकार्पण होयत. जाहि मे फ़िल्म सं जुड़ल सभ कलाकार यथा अविनाश शाही, महेन्द्र चौधरी, प्रशान्त निशान्त- उपस्थित रहताह. जनतब अछि जे  एहि अवसर पर बिहार केर ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र जी सेहो उपस्थित रहताह. एहि कार्यक्रम मे शामिल भेल दर्शकक बीच फ़िल्मक ऑडियो सीडी सेहो बांटल जायत.  (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post