एक मास ओ बढ़ल आस

मिथिमीडिया एक मास पूर्ण कयलक अछि. ई कोनो तेहन उपलब्धि वा कृत्य नहि अछि जाहि पर उत्सव कयल जाय वा फेर बघारल जाय. तथापि मिथिमीडिया पाठक लोकनि केर प्रचूर समर्थन ओ शुभचिंतक लोकनिक संवर्द्धन सं डेग बढ़ओलक अछि. मिथिमीडिया टीम केर अगाध समर्थन आ सहयोग सं ई आगां बढैत अछि. एतेक कम समय मे जतेक बेसी समर्थन भेटल अछि, नव उर्जा सं ओतप्रोत करैत अछि. भविष्यो मे सहयोगक आकांक्षी अछि मिथिमीडिया. संगहि कर्त्तव्य केर प्रति सेहो सजग अछि. मिथिमीडिया पर जेना पाठकक विश्वास देखबा मे आयल तहिना किछु गोटे केर शंका सेहो अभरल. शंका ओ समाधान, समर्थन ओ घमर्थन सभ चलैत छैक आ चलैत रहतैक तथापि किछु स्पष्ट करब आवश्यक अछि —
> मिथिमीडिया एक स्वतंत्र वेब पोर्टल अछि आ एकर अप्पन टीम ओ कार्य पद्धति छैक.
> ककरो सं कोनो वैचारिक सहमति वा असहमति सं फराक अभिव्यक्ति केर अवसर देब पुनीत काज बुझैत अछि.
> रचना वा समाद टटका ओ सुप्पत हो, से धेयान राखल जाइत अछि. पाठकक रुचि पहिल प्राथमिकता अछि.
> प्रसारित सामग्री केर पूरा उत्तरदायित्वा लेखकक अछि (जतय लेखकक नाओ हो). मिथिमीडिया केर संपादकीय टीम केर सहमति अनिवार्य नहि अछि.
> परखल ओ जांचल सामग्री प्रसारित कयल जाइत अछि.
> कोनो विवाद कें तूल देब कथमपि नहि चाहैत अछि.
> मैथिली, मिथिला ओ मैथिल हेतु कटिबद्ध अछि.
Previous Post Next Post