देसिल बयना लागल मिठ्ठा

> बहुभाषी कवि सम्मलेन 
कलकत्ता. देशक सांस्कृतिक राजधानी मे ओना त' साहित्यिक-सांस्कृतिक गंगा सदति बहैत अछि. एहि क्रम मे शनिदिन २९ सितम्बर २०१२ कें कवितीर्थ साहित्य अकादमीक नेपाली विभाग आ भारतीय गोरखा संघक संयुक्त तत्वावधान मे आजाद हिन्द फौजक प्रथम गोरखा शहीद मेजर दुर्गा मल्लक जयंती पर स्थानीय मुंशी प्रेमचंद कम्यूनिटी हॉल मे एकटा बहुभाषी कवि सम्मेलनक आयोजन कएल गेल. एहि कविगोष्ठी मे विद्यापतिक प्रभाव वला ५ भाषा नेपाली, हिन्दी, मैथिली, बांग्ला  आ उड़ियाक कुल उनैस गोट कविगण अपन काव्यपाठ कएलनि. मैथिलीक रामलोचन ठाकुर एवं हिन्दी कवि प्रो. अगम शर्माक काव्य पाठ पर श्रोता बेस थपड़ी बजौलाह. अन्य कविगण मे नेपालीक गणेश प्रधान, विकास कार्की, उड़ियाक डॉ. ज्ञानेश्वर मिश्र, बांग्लाक सुब्रत गुप्ता एवं हिन्दीक रवि प्रताप सिंहक कविता उपस्थित श्रोता सभ केँ बेस प्रभावित कएलक. मैथिलीक अन्य दू गोट कवि मिथिलेश कुमार झा एवं चंदन कुमार झा अपन-अपन कविता एवं गजल पाठक माध्यमें अपन एकटा फराक छाप छोड़बा मे सफल भेलाह. एहि कवि सम्मेलनक अध्यक्षता प्रो. श्यामलाल उपाध्याय कएलनि. एहि अवसर पर बांग्ला कवि नरेश चन्द्र गुप्तक कविता संग्रह 'आंचोड़रेखा'क विमोचन सेहो कएल गेल.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)  
Previous Post Next Post