संतोष बादल कें मातृशोक

मैथिली फिल्म निर्देशक संतोष बादल अपन मायक संग (फाइल फोटो)
बम्बइ. मैथिली फिल्म 'कखन हरब दुःख मोर' फेम फिल्म निर्देशक संतोष बादल कें मातृशोक पर समूचा फिल्म जगत आहत अछि. हुनक मायक देहांत रविदिन ३० सितम्बर २०१२ कें भेलनि. एक दिन बाद बनारस मे दाह-संस्कार होयबाक खबरि अछि.
ज्ञात हो जे २४ सितम्बर कें संतोष बादल केर जन्मदिन छलनि. एहना मे मायक विक्षोभ दुखित करैत अछि. समूचा मित्र ओ फैन-फालोवर हुनका एहि कठिन समय मे सामर्थ्यवान बनबाक कामना कयलक अछि. संतोष बादलक एक निकट सम्बन्धीक अनुसार हुनक माय (८२) बेमार रहैत छलीह. मैथिली फिल्म जगत केर निर्देशक मुरलीधर ओ विकास झा सहित फिल्म कलाकार राहुल सिन्हा, दिनेश मिश्र ओ अन्यान्य अपन संवेदना प्रकट कयलनि अछि.
(Report: मिथिमीडिया सिने ब्यूरो)

Previous Post Next Post