मैथिली फिल्म प्रदर्शनक हेतु भेटल आश्वाशन

बैसारक बाद मंत्री अश्विनी कुमार चौबे संग पोज देइत फिल्म निर्देशक-कलाकार मुरलीधर
बम्बइ. मैथिली सिनेमा कनेक गति पकडलक अछि. मुदा किछु स्थानीय समस्या फिल्म प्रदर्शन मे बाधक बनैत अछि. जाहि कारणें  नीक सं नीक फिल्म आशा अनुरूपें कलेक्शन नहि क' पबैत अछि. एतबहि नहि मैथिली सिनेमा समूचा मिथिला मे केs कहय कथित राजधानी दडिभंगो मे बेस मशक्कति सं प्रदर्शित भ' पबैत अछि. एही सभ समस्या कें ल' विख्यात मैथिली फिल्म निर्देशक-कलाकार मुरलीधर बिहार केर मंत्री अश्विनी कुमार चौबे सं बात कयलनि.
एहि बेर चौरचन्नक दिन चौबे मुम्बइ मे छलाह. उद्योगपति विजय कुमार झा (दरभंगाक कलिगांवक रहनिहार) केर निवास स्थान पर मुरलीधर ओ बिहारक स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे संगे मिथिला मे मैथिली ओ  मैथिली फिल्मक दुर्दशा  आ समाधानक विषय पर चर्चा कयलनि. बैसार मे चौबे आश्वासन देलनि जे ओ मिथिला मे मैथिली फ़िल्मक विकासक वास्ते सार्थक
डेग उठओताह. फ़िल्म प्रदर्शन मे हॉलक उपलब्धता संबंधी समस्याक निदान अवश्य करओताह. मंत्रीजी मुरलीधर सं माननीय मुख्यमंत्री बिहारक नाम सँ निवेदन सेहो लिखबओलनि आ वचन देलनि जे ओ स्वयं मुख्यमंत्री सँ अहि समस्या पर चर्चा करताह. ओ कहलनि जे मिथिला मे मैथिली फिल्म प्रदर्शित नहि होयत त' कतय होयत? ई एक अजगुत बात अछि. ओ मुरलीधर कें आश्वस्त करओलनि जे मैथिली आ मिथिला संगे एहन अन्याय त' ने होयबाक चाही. एहन आश्वासन सं मैथिली फ़िल्मक विकासक वास्ते एहि बैसार कें महत्वपूर्ण मानल जा रहल अछि. आब त' आबयबला समये बतायत जे मंत्रीजीक आश्वासन मे कतेक दम अछि ! (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post