मैथिली सिनेमा कें सुभाष सं आस

कलकत्ता/दडिभंगा. मैथिली सिनेमा भनहि अंतराल पर बनैत अछि मुदा मिथिला मे प्रतिभा सदति उभरैत अछि. एहने मे मैथिली फिल्म मुखियाजी मे प्रतिभावान कलाकारक जमघट देखल गेल. किछु नीक कलाकार सोझां अयलाह, जाहि मे फ़िल्मक नायक केर भूमिका कयनिहार सुभाष चन्द्र मिश्र प्रमुख छथि. अपन पहिल मैथिली फ़िल्म “मुखिया जी” सं बड़का परदा पर अभिनय पारीक शुरुआत कयलनि आ बड्ड प्रशंसा बटोरय मे सफ़लता भेटलनि. मूल रूप सं दरभंगाक निवासी सुभाष जी एखन धरि लगभग 40टा शॉर्ट फ़िल्म केने छथि. हिनका द्वारा अभिनीत किछु लघु फ़िल्मक नाओ अछि- “ We the People”, ‘खिलौना”, “अभिवृति”, “ बैकफ़ायर”, “ सो व्हाट”, “ मदर्स डे”, “ हिडन बाइ ग्लास”, “ रेड एलर्ट’,” डबल ट्रब्ल” आदि. रंगमंचीय अनुभव प्राप्त सुभाष बहुत रासे नाटक सेहो केने छथि जाहि मे “हयावदन”, “छार दिवस”, जमाना आज का”, “बड़े भाई साहब” आदि किछु उल्लेखनीय नाम अछि. AAFT, नोयडा सं अभिनय कोर्स मे प्रशिक्षित सुभाष जी नवम्बर 2011 मे प्रदर्शित तथा युवा निर्देशक विकास झा द्वारा निर्देशित मैथिली फ़िल्म “मुखिया जी’ मे मुखिया जी केर मुख्य भूमिका निभौने छलाह. FTII, पूने मे एक्टिंग कोर्स लेल निर्धारित योग्यताक बादो प्रैक्टिकल अनुभव बढ्बा बास्ते बड़का पर्दा दिस हिनक झुकाव भेल छल.
अभिनयक संग संग सुभाष जी निर्देशन मे प्रशिक्षण सेहो लेने छथि. हिनका बहुत रासे ऑफ़र भेटि रहल छनि मुदा मैथिली फ़िल्म हिनक पहिल पसीन छनि. सम्प्रति अंग्रेजी-हिन्दी मिश्रित किछु कॉमर्सियल प्रोजेक्ट पर काज कय रहल छथि. सुभाष जी केर लगभग हर तकनीकि आ प्रायोगिक अनुभव प्राप्त छनि. एहन व्यक्तित्व सभ सं मैथिली सिनेमा नीक भविष्यक आस संजोगने अछि.(Report:भास्कर झा)
Previous Post Next Post