राजेश्वर नेपाली केर पोथी 'सोमली' विमोचित

जनकपुर. वरिष्ठ पत्रकार राजेश्वर नेपाली द्वारा लिखित मैथिली भाषाक कथा संग्रह ‘सोमली’क शुक्रदिन, २१ सितम्बर, २०१२ कें विमोचन कएल गेल अछि. मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार एवं अन्तराष्ट्रीय मैथिली परिषदक अध्यक्ष डा. कमला कान्त झा विमोचन कएलनि. ९६ पृष्ठक पुस्तक मे २३ टा कथा समावेश कएल गेल अछि. समारोह मे बजैत वक्ता सभ मैथिली भाषाक पुस्तक प्रकाशन मे आएल तेजी प्रति प्रसन्नता व्यक्त कएलनि. ओ सभ साहित्यक सभ विधा मे रचना करबाक लेल साहित्यकार सभ सँ आग्रह कएलनि. प्रमुख अतिथिक आसन सँ बजैत डा. झा मैथिली साहित्य केँ स्वर्णिम इतिहास रहल अछि. एकरा आम लोक सँ जोड़ए केँ खगताक चर्चा कएलनि.
मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लालक सभापतित्वमे भेल समारोह मे पुस्तकक लेखक राजेश्वर नेपाली, मैथिली विभागक पूर्व विभागाध्यक्ष डा. पशुपति नाथ झा, राजनीतिकर्मी राम हृदय प्रसाद, साहित्यकार श्रीराम सिरज, नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाक अध्यक्ष राम अशीष यादव, वानक केन्द्रीय उपाध्यक्ष राजेश कुमार कर्ण, रेडियो मिथिला एवं मिथिला डटकमक सम्पादक सुजीत कुमार झा, रेडियो नेपालक समाचारदाता अजय कुमार झा, जयशंकर नाथ झा, जनार्दन मण्डल आदि लोकनि वक्तव्य रखलनि.
(Report/Photo: सुजीत कुमार झा)
Previous Post Next Post