कुंज बिहारी दुर्घटना मे घायल

> 3 गोटेक मृत्यु, एक गंभीर  
दडिभंगा/पटना. मैथिलीक सुप्रसिद्ध गायक कुंज बिहारी मिश्र एक सड़क दुर्घटना मे घायल भ' गेलाह अछि. हुनका डीएमसीएच  मे भर्ती कराओल गेल अछि. एहि दुर्घटना मे 5 गोटेक मृत्युक सेहो खबरि अछि. घटनाक कारण चालकक लापरवाही बताओल जा रहल अछि.
सूत्रक अनुसार कुंज बिहारी अपन टीम केर संग शुक्रदिन दुपहरिये सहरसा कार्यक्रम केर मादे विदा भेल छलाह. मुदा बाटहि मे चालकक लापरवाही केर कारणें भयानक दुर्घटना मे कुंज बिहारी बेजाय रूपें घायल भ' गेलाह. एहि दुर्घटना मे नालवादक साजन ओ बैंजोवादक राजू सहित 3 गोटेक मृत्यु भ' गेल अछि, जाहि मे एक महिला सेहो शामिल अछि. कलाकार काफिला मे  हिनका संगे गायिका अर्चना सिन्हा सेहो छलीह जे गंभीर रूपें घायल छथि. अर्चना कें पीएमसीएच पठाओल गेल अछि. हुनक स्थिति गंभीर बताओल जा रहल अछि.
खबरि अछि जे कुंज बिहारी केर रीढक हड्डी मे जोरगर चोट लागल छनि. ओना ओ बातचीत क' रहल छथि आ पूर्ण होश मे छथि. परिजन हुनका संगे छथि. संगहि मिथिला भरि मे हुनक दुर्घटना केर खबरि सं प्रशंसक चिंतित छथि. हुनक हाल जनबा लेल डीएमसीएच प्रांगण मे लोकक भीड़ लागल रहल. खबरि सुनिते अजित आजाद, अमलेंदु शेखर पाठक व अन्यान्य डीएमसीएच जा लोकप्रिय गायक केर हालचाल लेलनि.
 (Report/Photo: मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post