धेयान राखू जे...

मिथिला राज्यक माँग पर बहस मे भाग लेइत काल किछु व्यक्ति कहैत छथि जे बिहार सरकार द्वारा मिथिलाक
विकासक लेल समुचित धेयान नहि देल जा' रहल अछि.बहुत हदधरि हुनकर सभक ई कथन सही अछि मुदा फेर ओ सभ एकरा जातिवाद आ' साम्प्रदायिकता से जोड़ि दैत छथि. ई तथाकथित आंदोलनकारी (कागजी) सभ बिसरि जाइत छथि जे प्रस्तावित पृथक मिथिला प्रदेश, जकर ओ मांग कए रहल छथि ओहूठाम विभिन्न जाति आ' समुदायक लोक रहैत अछि आ' हमर सभक ई आंदोलन तखने सफल होयत जखन एहि क्षेत्रक सभ जातिक आ समुदायक के संग मे जोड़ब.नीतीश वा केन्द्र सरकार पर मुस्लिम तुष्टीकरणक आरोप लगयबाक स्थान पर हमरा सभ के पृथक मिथिला के लेल आंदोलनरत संस्था सभ मे मैथिल मुसलमान आ आन-आन जाति आ' समुदाय के जोड़बा पर धेयान देबाक चाही...फेर राज्य आ' केन्द्र सरकार हमर सभक बात अनेरे सुनत. धेयान राखू जे झारखण्ड मे झारखण्ड मुक्ति मोर्चा आ' तेलंगाना मे तेलंगाना राष्ट्र समिति लग बोट बैंक छलैक आ तइँ ओकर सभक आंदोलन बेसी  धरगर भेलैक. मैथिलीक राजनैतिक आंदोलन मे सेहो वोट बैंकक आवश्यकता छैक आ' हमरा सभकेँ सभसँ पहिने सैह तैयार करबाक चाही.
— चंदन कुमार झा 
Previous Post Next Post