उद्योग पर नहि पडल विकासक बुन्न

कोलकाता. सरकार राज्य मे औद्योगिकीकरण केँ बढ़ाबयकेँ खातिर 1974 ईस्वी मे बिहार औद्योगिक क्षेत्रीय विकास प्राधिकरण (बियाडा) केर स्थापना केलक. मुदा, एखनो औद्योगिक विकास आ' उद्योगक विस्तार नगण्य अछि. वर्तमान नीतीश सरकारक सुशासनक दावा सेहो एखनधरि प्रदेश मे औद्योगिक विकासक समुचित माहौल नहि बना सकल अछि. भारतीय जनता पार्टी केर विधायक  विनोद नारायण झाक तारांकित एकटा प्रश्नक उत्तर मे सोमदिन विधानसभा मे राज्यक उद्योग मंत्री रेणू कुमारी जनौलनि  जे बियाडा द्वारा लीज पर देल गेल कुल 178 टा भूखण्ड (प्लॉट) मे सं मात्र एगारह जगह पर उत्पादन चलि रहल अछि.संगहि ओ कहलनि  जे ई आँकड़ा वित्तीय बरख 2010-11 धरिक अछि.ओ ईहो जनतब देलनि जे 89 जगह पर एखन निर्माणकार्य चलि रहल अछि आ' एखन धरि आवंटित प्लॉट मे सं 16टा आवंटन विभिन्न कारण सँ रद्द कए देल गेल अछि. मुदा, मंत्रीक उपरोक्त उत्तर सँ एकटा बात स्पष्ट अछि जे एखन धरि नीतीश सरकार केँ औद्योगिक विकासक क्षेत्र मे कोनो खास सफलता नहि भेटलैक अछि. (Report: चंदन कुमार झा)
Previous Post Next Post