'पिलपिलहा गाछ' कें अकादेमी पुरस्कार

नव दिल्ली/दरिभंगा. साहित्य अकादेमी द्वारा प्रत्येक साल देल जाय वला बाल साहित्य पुरस्कार 2012क घोषणा भेल अछि. मैथिली हेतु ई पुरस्कार मुरलीधर झा कें कथा संग्रह ' पिलपिलहा गाछ' लेल देल जायत. भुवनेश्‍वर मे साहित्‍य अकादेमीक  अध्‍यक्ष सुनील गंगोपाध्‍यायक अध्‍यक्षता मे आयोजित अकादेमीक कार्यकारी मंडलक बैसार मे दिनांक 24 अगस्‍त 2012 कें साहित्‍य अकादेमी बाल साहित्‍य पुरस्‍कार 2012क 24 भाषा केर बाल साहित्‍यकारक नामक अनुमोदन कयल गेल. एहि बेर पुरस्‍कारक लेल 8 रचनाकारक बाल साहित्‍य मे हुनक समग्र योगदानक लेल, 9 कथा-संग्रह, 4 कविता-संग्रह, 2 निबंध आ 1 विज्ञान गल्‍पक लेल लेखक कें पुरस्कार देल जयबाक घोषणा कयल गेल अछि. बांग्ला लेल ई पुरस्कार बलराम बसाक कें कथा संग्रह 'भालूकर दोलना', अंग्रेजी लेल रस्किन बॉन्ड कें बाल साहित्य मे समग्र योगदान हेतु, हिंदी लेल बालशौरि रेड्डी कें बाल साहित्य में समग्र योगदान हेतु आ नेपाली लेल शिशुपाल शर्मा कें कविता संग्रह 'बाल-कविता कोसेली' हेतु प्रदान कयल जायत. (Source)
Previous Post Next Post