फ़ायरफ़ॉक्स केर मैथिली संस्करण पूर्ण स्वरूप मे

नव दिल्ली. फ़ायरफ़ॉक्स केर मैथिली संस्करण पहिनहि सं उपलब्ध अछि. मुदा से टेस्टिंग हेतु उपलब्ध छल. बहुतो मैथिली नेट यूजर मैथिली फ़ायरफ़ॉक्स उपयोग करैत छथि. भारतक संगहि नेपाल ओ देश-विदेश केर मैथिली भाषी एहि ब्राऊजर केर उपयोग आसानी सं करैत छथि. संगहि एकर सुच्चा मैथिली शब्द सेहो बहुत बेसी आनंदित करैत अछि. जेना पासवर्ड केर स्थान पर गुडकिल्ली, ओके केर स्थान पर बेस, आदि कोनो मैथिल कें मोहि लेइत अछि. एक आओर हर्षक बात जे टेस्टिंग लेल राखल गेल फ़ायरफ़ॉक्स केर मैथिली संस्करण आब स्थायी रूप सं आ पूर्ण स्वरूप मे उपलब्ध रहत.
ज्ञात हो जे मधेपुराक राजेश रंजन केर नेतृत्व मे संगीता कुमारी, राकेश रोशन आ प्रतिभा कुमारी आदि डेवलपर सभक प्रयास सं फ़ायरफ़ॉक्स केर मैथिली संस्करण उपलब्ध भ' सकल अछि. ई लोकनि धन्यवादक पात्र छथि.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
 
Previous Post Next Post