नीक पटकथा छल दुलरुआ बाबू: नीतू सिंह

मैथिलीक चर्चित फिल्म 'दुलरुआ बाबू'क अभिनेत्री नीतू सिंहक मिथिमीडिया केर सिने सम्पादक भास्कर झा संग भेल बातचीत केर मुख्‍य अंश एतय देखल जा सकैछ. 
- - - 

नमस्कार नीतू जी.
जी नमस्कार.


नीतू जी, पहिने अहां अपन विषय मे किछु बताउ?
जी हम बेगूसराय केर छी. मैथिली बाजै छी. नान्हिएटा सं हमरा फ़िल्म करबाक शौख छल. एखन मुम्बइ मे रहि रहल छी आ पंजाबी, हरियाणवी आ साउथक फ़िल्म क' रहल छी. संगहि विज्ञापन फ़िल्म सेहो करैत छी.


वाह, बड्ड नीक नीतू जी, अहांक फ़िल्मी कैरियर केना शुरू भेल?
स्पष्ट रूप सं कहब कने कठिन बुझा रहल अछि, मुदा हमरा याद अछि जे हम जीटीवी केर सीरियल 'आपकी अंतरा' मे आएल छलहुं जे हमरा लेल एकटा नीक अवसर छल. तकर बाद हम स्टार वनक सीरियल 'ये इश्क है' मे काज केलहुं.


अहां की अभिनयक कोनो कोर्स केने छी कि अहिना अभिनय शुरू कएल?
हम हिमाचलक मंडी केर Himachal Cultural Research Centre and Drama Academy सं अभिनय मे प्रशिक्षण प्राप्त केने छी.  फ़िल्म मे काज करए सं पहिने हम रंगमंच सं सेहो जुड़ल छलहुं.


अच्छा. .नीतू जी, अहां मैथिली फ़िल्म 'दुलरुआ बाबू'क मुख्य अभिनेत्री छलहुं. ई फ़िल्म अहां कें केना भेटल छल?
अभिजीत सिंहक 'दुलरुआ बाबू' मे हमर लीड रोल छल. नीक पटकथा छल. जहन हमरा सुनाओल गेल त' हम अपना कें रोकि नहि सकलहुं आ अपन सहमति द' देलहुं. हमरा अपोजिट मे अभिनेता संजय झा छलाह जे कि एकटा नीक मॉडल छथि.


मैथिली (अंगिका) फ़िल्म 'खगड़िया बाली भौजी' मे सेहो अहांक मुख्य भूमिका छल. अपन अनुभव शेयर करए चाहब?
जी, जहन फ़िल्मक प्रस्ताव आएल त' हम खुशीपूर्वक फ़िल्म स्वीकार क' लेलहुं, मुदा फ़िल्मक परिणाम सं हमरा बड्ड दुख भेल. हमर कैरियर पर एकर नीक प्रभाव नहि पड़ल. अहि लेल हम एहि फ़िल्मक विषय मे अपन अनुभव किछु नहि बताएब.


नीतू जी, एखन अहां कोन-कोन प्रोजेक्ट पर काज क' रहल छी?
एखन हमर एकटा हरियाणवी फ़िल्म 'तेरा मेरा वादा'  बहुत जल्दिए रिलीज होबएबला अछि जाहि मे हम मुख्य अभिनेत्रीक किरदार निभौने छी. संगहि पंजाबी फ़िल्म सेहो क' रहल छी.


धन्यवाद नीतू जी. समय देबाक लेल अहांक बहुत बहुत धन्यवाद आ अहांक आबएबला फ़िल्मक अपार सफ़लता हेतु हमर शुभकामना.
अहूं कें बहुत-बहुत धन्यवाद भास्कर जी.

नीतू सिंह अभिनीत मैथिली फिल्म 'दुलरुआ बाबू'क गीत देखू:

Previous Post Next Post