रंग परोसत मैलोरंग

> सुन्दर संयोग केर होयत मंचन
नव दिल्ली. मैथिली रंगमंच पर मंचित होमय हेतु तैयार अछि 'सुन्दर संयोग'. आगामी 26  अगस्त 2012  कें  श्रीराम सेंटर, सफदर हाशमी मार्ग, मण्डी हाउस, नई दिल्ली - 110001 मे साँझक 06.30 बजे स' मैलोरंग रेपर्टरी अपन नव नाटक सुन्दर संयोग प्रस्तुत करय जा रहल अछि.
सुन्दर संयोग नाटकक रचना 1905 ई मे भेल. एकर लेखक छथि स्व. कविवर जीवन झा. वर्ष 1980 ई. मे सुन्दर संयोग नाटक चन्द्रनाथ मिश्र 'अमर' आ रामदेव झा दुनू गोटे मिल क' सम्पादित कयने छलाह. पुस्तकाकार रूप मे सम्पादित पुस्तक कविवर जीवन झा रचनावली नाम स'  मैथिली अकादमी, पटना स' प्रकाशित अछि. एहि पुस्तक मे कविवर जीवन झा रचित तीनू नाटक 1. सुन्दर संयोग, 2. सामवती पुनर्जन्म आ 3. नर्मदा - सागर संकलित अछि. अहि पुस्तक मे प्रकाशित सुन्दर संयोग नाटक केर पुनर्लेखन सुप्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेन्द्र मलंगिया क' रहल छथि. नाटकक निर्देशन क' रहल छथि प्रकाश झा आ अभिनय करताह मैलोरंग रेपर्टरीक अभिनेता आ अभिनेत्री लोकनि.
सुन्दर संयोग नाटक लेल पूर्वाभ्यास शुरू अछि मैलोरंगक अपन स्थानीय कार्यालय (मैलोरंग रेपर्टरी, एम बी - 57 बी, गली सं. - 2, मधुबन रोड, शक्करपुर एक्सटेंशन, दिल्ली - 110092मे विगत 15 जुलाई, 2012 स' साँझक 6.00 बजे स' 8.30 बजे तक. सभ कलाकार लोकनि समर्पित भाव स' पूर्वाभ्यास मे खूब मेहनति  क' रहल छथि. मैलोरंग आ समस्त कलाकार कें एहि नाटकक सफल आयोजन हेतु हमरा लोकनिक अग्रिम शुभकामना.
(Report: मनीष झा 'बौआभाइ')
Previous Post Next Post