उद्योगपति सभ आगू आबथि : दिनेश मिश्र

गाम सं ल' परदेस धरि अपन अभिनय सं स्थान बनओनिहार दड़िभंगाक पंचोभ गामक दिनेश मिश्रक मिथिमीडिया केर प्रकाश झा सं  भेल बातचीत केर अंश:—

अहाँ अभिनय क्षेत्र मे कोना अयलहुं?
हमरा नन्हिएटा सं अभिनयक प्रति आकर्षण छल. एतेक विश्वास छल जे हम मंच वा पर्दा पर जा सकै छी आ अपन कला देखा सकै छी. तें प्रयास कयल आ बाट खुजैत गेल.

सर्वप्रथम अहाँ अभिनय कतय सं प्रारंभ कयलहुं ?
हम दड़िभंगा आकाशवाणी सं अभिनयक शुरूआत कयने छी, ताहि समय हमर उमेर २२ बरखक छल. आकाशवाणी मे कतेको नाटक कयने छी. 

अहाँ अपन प्रारंभिक शिक्षा आ कोलकाता आगमनक विषय पर कही?
प्रारंभिक शिक्षा गामे सं भेल, तकर बाद दरभंगा सं स्नातक कयल. कोलकाता हम 1989 इ. मे अयलहुं. एहि ठाम आबि जीवन यापन लेल नौकरी करय  लगलहुं.

अहांक अभिनयक लिलसा एखनो धरि संग नहि छोडलक, अहां कोन-कोन नाटक संस्था स जुडल छी, ई श्रेय  किनका देबनि?
हा हा हा .......(हँसैत) हँ. सत्ते ई श्रेय हमर भैया शम्भुनाथ मिश्र  कें छनि, हिनक कोलकाता मे स्थापित 'झंकार' नामक नाट्य संस्था मे अभिनय कयलहुं, नाटकक नाम छल बुरबक बेटा टेक काबिल, जकर निर्देशक छलाह, शम्भुनाथ मिश्र. तकर बाद नाट्य संस्था अभिनय ग्रुप आ पदातिक सं जुडलहुं.

कोलकाताक नाट्य संस्था कोकिल मंच संग अहाँक केहन संबंध?

कोकिल मंच कोलकाताक एकटा सांस्कृतिक धरोहर अछि, अहि संस्था संग हम कएकटा नाटक मे अभिनय कयने  छी, आ एखन धरि क' रहल छी.

मैथिली फिल्म मे अहाँक अनुभव?
हम मैथिली मे अपन गाम अपन लोक सँ फिल्मांगन मे अपन डेग रखलहुँ, मुदा ई फिल्म बनि क' एखनो धरि कोठी मे मुनल राखल अछि, ओना अहि फिल्मक बाहर अनबाक प्रयास‌ चलि रहल अछि, फेर 'पिया संग प्रीत कोना हम करबै, खुरलुच्ची आ दुरदर्शन पटना सँ प्रसारित 'नयन ने तिरपित भेल' मे एकटा एपिसोड मे काज केने छी, दोसर तरफ कतेको हिन्दी टेलीफिल्म मे सेहो काज केने छी, जाहि मे चेतना, दिशा, पर्यटन और विकास अछि.

अहाँ अभिनय मे कोनो संस्था द्वारा स‌म्मानित भेल छी?
हँ… इलाहाबाद मे 'अखिल भारतीय लघु नाटय प्रतियोगिता  एवं नाटय परिचर्चा 1992 ई. मे स‌म्मानित भेल रही.

अहाँक जिनगीक सभ सं नीक क्षण?
हँ…….ओ क्षण कोना बिस‌रब…जे महाजाति स‌दन मे कोकिल मंच द्वारा आयोजित नचिकेता द्वारा लिखित मैथिली नाटक 'एक छल राजा' मे धनिकलालक पात्र केने छलहुं, जकरा देखि नचिकेता आ उपस्थित कतेको विशिष्ट लोक प्रशंसा कयने छलाह.

मैथिली फिल्म लेल किछु सुझाव?
मैथिली मे बहुत रास नीक अभिनेता, गीतकार, निर्देशक छथि, मुदा अर्थक अभाव मे मैथिली फिल्म एखनो पछुआयल अछि, तें हम मैथिली उद्योगपति सभ सं आग्रह करैत छी जे ओ स‌भ आगू आबथि. 

अहाँक अभिनय 'पिया संग प्रित कोना हम करबै' मे दर्शक देखि अति प्रसन्न भेलाह, अहाँ  मैथिली फिल्म संगहि आनो भाषा केर फिल्म करय चाहब?
हँ…..हमहूँ अहि फिल्म सं बहुत हर्षित छी, खुरलुच्ची मे सेहो नीक अभिनय करय केर मौका भेटल, आ जतय धरि आन भाषाइ फिल्मक बात छै त' अवसर भेटत त' अवश्य करब.

मिथिमी़डिया लेल किछु कही?
अहाँ लोकनिक प्रयास‌ बहुत नीक अछि, एहि सं मैथिलीक विकास होयत आ वेब संस्करण सं मात्र मिथिले धरि नहि, देश-विदेश तक मैथिली गुंजत.
(Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post