मलंगिया कें ज्योतिरीश्वर सम्मान

> अनिता मंडल ओ नीलेश दीपक सेहो होयताह सम्मानित
नव दिल्ली. सुन्दर संयोग नाटक प्रस्तुतिक बाद मैलोरंग द्वारा स्थापित तीनटा सम्मानक घोषणा कयल गेल अछि. ई सम्मान रंगकर्म केर क्षेत्र मे विशिष्ट काजक हेतु २०१२ साल लेल घोषित कयल गेल अछि. एहि बेरक तीनू सम्मानक चयन कर्ता प्रेमलता मिश्र प्रेम, देवशंकर नवीन आ मुकेश झा छलाह. चयनकर्ता लोकनि अंतिम रूप सं सम्मानक लेल अपन सहमति देलनि अछि.  रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान अनिता मंडल (जनकपुर, नेपाल), रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान नीलेश दीपक (दिल्ली) आ ज्योतिरीश्वर सम्मान महेन्द्र मलंगिया (मलंगिया, मधुबनी) कें प्रदान कयल जेतनि.  मैलोरंग द्वारा आगामी आयोजन मे हिनका लोकनि कें एहि सम्मान स’ सम्मानित कयल जेतनि. 
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post