अनुरिता कें छनि अभिनय केर उचाट

कोलकाता. हिन्दी फ़िल्म मे कावेरी झा, सोनल झा, श्रीति झा आ श्रेया झा केर बाद एकटा आओर सुन्दर व सौम्य मैथिल अभिनेत्रीक अवतरण भेल अछि जिनक नाम छनि अनुरिता झा. साहित्यकार परिवार सं संबंध राखय बाली आ भारतक नामी–गिरामी मॉडल मे शुमार अनुरिता मूलरूप सं मधुबनी जिलाक ढेंगहा हरिपुरक (बख्सी टोला) निवासी छथि. प्रख्यात साहित्यकार एवं मुख्य अभियंता उपेन्द्रनाथ झा 'व्यास' केर पौत्री आ मैथिल अर्थशास्त्री शैलेन्द्र कुमार झाक सुपुत्री अनुरिता BITS पिलानी विद्यापीठ सं मैट्रिक आ पटना विश्वविद्यालय सं विज्ञान मे अन्तरस्नातक क' नेशनल इन्स्टिच्यूट ऑफ़ फ़ैशन डिजायनिंग, दिल्ली मे नामांकन लेलीह. हिनका बाल्यकालहि सं मॉडलिंगक बड्ड शौख रहनि. दिल्ली मे रहैत अनुरिता V चैनल पर प्रसारित कार्यक्रम “Get Gorgeous”(2006) केर विजेता बनलीह. 2007-08क बाद अनुरिता मुम्बइ शिफ़्ट कय गेलीह आ अभिनय कोर्सक समाप्ति केर उपरान्त हिन्दी फ़िल्म मे अपन भाग्य अजमाबय लगलीह. एकटा लघु फ़िल्म मे अभिनय सं अपन अभिनय कैरियरक शुभारंभ कयल. मुदा अनुरिता झा कें अनुराग कश्यपक चर्चित फ़िल्म “गैंग्स ऑफ़ वासेपुर” सं वास्तविक सफ़लता भेटलनि आ बेसी चर्चित भेलीह. अहि फ़िल्म मे हिनकर अभिनय अति प्रशंसनीय अछि. अनुरिता कयकटा प्रोडक्ट्सक ब्रांड अम्बेसडर सेहो छथि. 

— भास्कर झा
Previous Post Next Post