दर्शकक मोन जितैत मनजीत

कोलकाता. मिथिलाक सपूत मनजीत कुमार गुप्ताक जलवा टीवी सीरियल मे खूब चलि रहल अछि. डीडी पर प्रसारित हॊबय बला धारावाहिक 'संकटमोचन हनुमान' मे नारदक भूमिका करबाक संगहि प्रति शनि आ रवि कें प्रसारित होबय बला सीरियल 'अदालत' केर लगभग हर एपिसोड मे कोनो ने कोनो भूमिका मे आबि मनजीत लोकक मोन जितबा लेल प्रस्तुत रहैत छथि.
दिल्लीक अस्मिता थियेटर ग्रूप सं जुड़ल आ मूल रूप सं राजनगर, मधुबनी केर रहनिहार मनजीत मैथिली फ़िल्म 'दुलरुआ बाबू' मे मिस्टर बॉड्क भूमिका कयने रहथि. हिनक एकटा आओर मैथिली फ़िल्म 'काजर' अछि जकर निर्देशन सागर राय कयने रहथि. मनजीत अभिनीत किछु हिन्दी फ़िल्म अछि- 'होम डॆलिवरी', 'ट्रैफ़िक सिग्नल', 'आगे से राईट', 'मुम्बइ कटिंग', 'हॉस्टल','तुम मिलो तो सही' आदि. ' तु माझा जीव' नामक ओ एकटा मराठी फ़िल्म सेहो कयने छथि. हिनकर आगामी फ़िल्म छनि - गुलशन ग्रोबरक 'मार्तंग मामा' आ 'धुआं'. सीरियल मे 'सीआईडी', 'सावधान इंडिया','बालिका बधु', 'अलादीन' आदि किछु  चर्चित नाम अछि.
 (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post