भीख नहि अधिकार चाही केर गूंज

> मिथिला राजक लेल संसदक समक्ष प्रदर्शन
नव दिल्ली. पृथक मिथिला राज्यक मांग कें ल' अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति दिस सं बुधदिन संसद समक्ष प्रदर्शन कयल गेल. सूत्र सं भेटल जनतबक अनुसार ई प्रदर्शन राम दयाल महतो केर अध्यक्षता मे भेल. सभा कें संबोधित करैत सांसद कीर्ति आजाद कहालनि जे मिथिला केर अपन पृथक पहिचान अछि, भाषा अछि, संस्कृति अछि आ भूगोल अछि. अलग राज्यक सार्थक अछि. सांसद महेश्वर हजारी कहलनि जे मिथिलाक आर्थिक, शैक्षिक व सांस्कृतिक पहिचान रहल अछि. मुदा विकास हेतु पृथक राज्य आवश्यक अछि. समिति केर अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू सहित उपस्थित लोकनि एकजुट भ' आन्दोलन करबाक लेल अपील कयलनि. संगहि बैजू कहलनि जे मिथिलाक जनता जागि गेल अछि. राजनीतिक दल सभ आगां आबय आ आन्दोलन मे संग दिअय. दूर सं तकने नहि चलत कारण आब मिथिलाक जनमानस सभ खेल देखि रहल अछि. सभा कें संबोधित करैत मिथिला विकास परिषद कोलाकाता केर अध्यक्ष अशोक झा कहलनि जे सरकार मिथिला बनय सं आब केओ रोकि नहि सकैत अछि. हमरा सभ आब वृहत आन्दोलन हेतु तैयार छी. प्रवासी मैथिलक संगहि मिथिलाक जनता जागल अछि. बिहार सरकार केर दूनेती नीति आ केंद्र सरकारक चुप्पी आब बर्दास्त नहि कयल जायत. ओ कहलनि राज होयत तखने काज होयत. एकर संगहि  प्रो. अमरेंद्र झा, डॉ. प्रसन्न मोहन झा सहित अनेको लोकनि सभा कें संबोधित कयलनि. (Source)
Previous Post Next Post