रूबी झा केर गजल

हम भारत केर दृढ़ सिपाही वीर बलिदानी छी
हाथ में रखने पवित्र तिरंगा हम हिन्दुस्तानी छी 

भारत माताकेँ चुनरी मे हम दाग नै देब लागs 
भारतीक सपूत हम अपने बड़ अभिमानी छी

नजरि गरा' केर रखतैक ओ' आतंकी कतबहु
लाश खसा हम दम लेब खून छै देह नै पानी छी 

एखनो देश मे भगत सिंह छैक पूत गांधी सन 
एखनो छैक लक्ष्मीबाई कते नारी हम भवानी छी 

आंच नै मातृभूमि पर आबै सबहक छै कर्तव्य 
रूबी ओना अपनहि जरैत ज्वाला आगि तूफानी छी 

आखर -१९ 

Previous Post Next Post