नेहाल कयलक नेना-भुटका

> मिथिला सेवा समिति केर छात्र संवर्द्धन कार्यक्रम
हावड़ा (बेलूड़). स्वाधीनता दिवस केर अवसर पर मिथिला सेवा समिति द्वारा एतय नेना-भुटका कें केन्द्रित क' कार्यक्रम आयोजित भेल. विद्यापति भवन मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे दसम ओ बारहम कक्षा मे उत्तीर्ण भेल मैथिल छात्र सभ कें पुरस्कृत कयल गेल. कार्यक्रम केर अध्यक्षता मिथिला सेवा समिति चैरिटेबल ट्रस्ट केर चेयरमैन दिनेश मिश्र कयलनि.
बेरूपहर 3 बजे आरम्भ भेल एहि कार्यक्रम केर पहिल सत्र मे आनंद झा, प्रदीप झा, घनश्याम चौधरी अपन वक्तव्य रखैत छात्र-छात्रा सभ कें शिक्षा ओ कैरियर पर ध्यान केन्द्रित करबाक लेल कहलनि. ओ लोकनि कहलनि जे  मिथिला केर नेना लग शिक्षे टा विकल्प अछि.
अभिभाषणक क्रम मे भवनाथ झा समिति केर इतिहास ओ आजुक परिदृश्य मे एकर औचित्य ओ आवश्यकता पर इजोत देलनि. मिथिला सेवा समिति केर अध्यक्ष राजीव रंजन मिश्र समिति केर वर्तमान क्रियाकलाप केर जनतब देलनि संगहि स्वरचित एक धरगर पद्य पढ़लनि, जे उपस्थित लोकनि कें खूब पसिन भेल. पद्य सुनि समूचा भवन थपडी केर गड़गड़ाहटि सं भरि गेल. एहि मध्य समितिक सचिव संजय झा मिथिमीडिया कें कहलनि जे हम सभ प्रवास मे मिथिला केर संस्कृति कें प्रसार हेतु प्रयासरत छी. पहिल ओ दोसर सत्र केर मध्यावधि मे समितिक प्रसार प्रभारी प्रकाश झा केर सत्प्रयास सं मिथिमीडिया केर प्रोमोशन कार्यक्रम भेल. एहि मे मिथिमीडिया केर रूपेश त्योंथ ओ चन्दन झा केर संगहि रत्नेश्वर झा अपन बात रखलनि. 
दोसर सत्र मे एक सं पांच केर छात्र-छात्रा द्वारा कविता पाठ भेल. संगहि कक्षा छओ सं दस केर छात्र-छात्रा सभ मे दहेज़ केर पक्ष-विपक्ष मे वाद-विवाद प्रतियोगिता आयोजित कयल गेल. कक्षा दस सं उपर केर विद्यार्थी हेतु प्रश्नोत्तरी प्रतियोगिता आयोजित छल. कार्यक्रमक उद्घोषणा राघवेन्द्र झा कयलनि.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post