गुणवत्तापूर्ण शिक्षा पर देल जाय जोर - कुलपति

दड़िभंगा. बिना गुणवत्तापूर्ण शिक्षा उपलब्ध करौने समाजक सर्वांगीण विकासक परिकल्पना तक नहि कयल जा सकैत अछि. उक्त वक्तव्य छनि ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति डा.एसपी.सिंहक. दरभंगाक बहुउद्देशीय भवन मे आयोजित अपन अभिनंदन समारोहक  उद्घाटन करैत डा.सिंह कहलनि जे शिक्षाक प्रत्येक स्तर पर ओकर गुणवत्ता पर धेयान देब आवश्यक छैक.आ' एहि लेल समाजक सभ वर्ग सँ सहयोग जरूरी छैक.ओ कहलनि जे आधारभूत संरचनाक अभावक बावजूदो ओ लगातार महाविद्यालय सभ मे शैक्षणिक माहौल सुधारबाक लेल प्रयासरत छथि मुदा लक्ष्यप्राप्ति हेतु सकारात्मक सोच, दृढ़ इच्छाशक्ति आ' कर्तव्यपरायणता केँ प्राथमिकता देबय पड़त. समारोहक मुख्य अतिथि प्रतिकुलपति डा. ध्रुवकुमार आ' अनेक छात्र नेता सभ अपन भाषण मे छात्रक समस्या आ' ओकर निदानक प्रयास एवं चिंताजनक रूप सँ घटैत छात्रसंख्या ओ उपस्थिती पर अपन-अपन विचार राखल. डा.वैद्यनाथ चौधरी "बैजू" एकबेर फेर ई मांग उठौलनि जे दरभंगाक दुनू विश्वविद्यालय कें केन्द्रीय विश्वविद्यालयक दर्जा भेटय संगहि एहिठाम एकटा अंतर्रराष्ट्रीय स्तरक विश्वविद्यालयक स्थापना सेहो कयल जेबाक चाही.हुनकर एहि मांगक समर्थन सीनेटर डा.अजित चौधरी सेहो कयलनि.. सभाक एलएनमुटा के अध्यक्ष डॉ. चंद्रमोहन झा, कर्मचारी संघक भरत राय आदि  सेहो संबोधित कयलनि. धन्यवाद ज्ञापन करैत डॉ. बैजू कुलपति द्वारा कयल जा रहल विकास कार्यक विस्तार सँ चर्चा कयलनि. एहि सँ पूर्व कार्यक्रमक प्रारंभ में डॉ. बैजू आगत अतिथि सभक सम्मान पाग चादर व माला पहिराय कयलनि.  कार्यक्रमक अध्यक्षता कुलसचिव डॉ. विजय प्रसाद सिंह व संचालन कमला कांत झा कयलनि. (Source)
Previous Post Next Post