बिनु चालके चलल रेल

>> बड़ अजगुत घटना 
जनकपुर. बिना चालकक रेल इन्जिन चलत सुनि अजगुत लगैत अछि. मुदा एहन आश्चर्यक बात सोमदिन (6 अगस्त, २०१२) जनकपुर मे भेल अछि. नेपाल रेलवे चालकक लापरवाहीक कारण जयनगर सँ इन्जिन जनकपुर धरिक 29 किलो मीटरक यात्रा तय कएलक अछि. इन्जिन केँ रोकए लेल जनकपुरमे रेल लिंक पर माइट, चक्का, रेल लिकक लोहा सभ राखल गेल छल.  नेपाल रेलवेक प्राविधिक आ जनकपुरक स्टेशन युवा क्लबक सदस्य सभ इन्जिन रोकए लेल विशेष प्रयास कएलनि. ई जनतब नेपाल रेलवे ट्राफिक शाखाक इन्चार्ज जयकिशोर साह देलनि.  इन्जिन रोकलाक बाद इन्जिन कें मशीन सभ केँ देखल गेल छल. रेलवे अधिकारी सभक अनुसार इन्जिन न्यूट्रल गेयर मे छल. रेल सहचालक जगदीश खत्बे संचालन क˜ रहल छलाह. जखन कि मूल डियुटी रफिद कवारीक छल. नेपाल रेलवेक निमित्त महाप्रबन्धक रामेश्वर यादवक अनुसार जयनगर मे रेलक इन्जिन केँ चालू क˜ चालक नीचा कोनो समान लेबय उतरल. तखने इन्जिन अपने चलल छल. नेपाल रेलवे सोमदिनक एहि घटनाक जांच करत.  29 किलोमीटरक यात्रा इन्जिन 40 मिनेट मे तय कएने छल. जनकपुर मे इन्जिन पहुँचलाक बाद ओ इन्जिन केँ देखए लेल जनकपुर रेलवे स्टेशन मे लोकसभक भीड लागल छल. इन्जिन जनकपुर अएलाक बाद जयनगर सँ जनकपुर आबएबला सेवा अवरुद्ध भेल. बिना चालकक रेल चलबाक ई घटना संसार मे पहिल अछि. (Source)
Previous Post Next Post