"मलंगिया नाट्य महोत्सव" मे मिविप

नव दिल्ली. मिथिला विकास परिषद, कोलकाता द्वारा सुप्रसिद्ध मैथिली नाटककार महेन्द्र मलंगियाक अनुपम नाट्य कृति 'जुआयल कनकनी' दिल्लीक प्रेक्षकगण कें देखबाक मौका भेटतनि 29 दिसम्बर, 2012 क'. मैलोरंग द्वारा  आयोजित "मलंगिया नाट्य महोत्सव" मे मिथिला विकास परिषदक एहि नाटकक निर्देशन स्थापित रंगनिर्देशक अशोक झा करताह.  ई जनतब मैलोरंग दिस सं देल गेल अछि. एहि बात केर पुष्टि मिथिला विकास परिषद् केर कार्यकारी अध्यक्ष विनय प्रतिहस्त द्वारा कयल गेल.  (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post